मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीमे सरोज कुमार यादव नियुक्त

 

आज्ञा खबर

धनुषा

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक संसदीय दलक नेता सरोज कुमार यादव नियुक्त भेल छैथ । प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभ नेपालक संविधानके धारा १६८ के उपधारा (३) बमोजिम यादवकेँ मुख्यमन्त्री नियुक्त केलैन अइछ । प्रदेश प्रमुखके कार्यालय शैनदिन जारी कएने विज्ञप्तिअनुसार संविधानके धारा १६८ के उपधारा (२) बमोजिम दू वा दूसँ बेसी दलके समर्थनमे बहुमत जुटाबैबला प्रदेश सभा सदस्यकेँ मुख्यमन्त्रीमे दाबी पेस करबाक लेल शुक्रदिन दुपहर ४ बजेधैरके समय देल गेल छल ।

मुदा, निर्धारित समयमे कोनो दल वा प्रदेश सभा सदस्य मुख्यमन्त्री पदके लेल दाबी पेस नै कएलाक बाद संविधानके धारा १६८ के उपधारा (३) अनुसार प्रदेश सभामे सबसँ पैघ दलके संसदीय दलक नेताके हैसियतमे यादवकेँ मुख्यमन्त्री नियुक्त कएल गेल प्रदेश प्रमुखके कार्यालय जनौलक अइछ । अइ सङे मधेश प्रदेशमे नयाँ सरकार गठनके प्रक्रिया आगु बढ़ल अइछ । नवनियुक्त मुख्यमन्त्री यादव आब प्रदेश सभासँ संविधान निर्धारण कएने समयमे विश्वासके मत लेबए पड़त ।(रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...