आज्ञा खबर
सर्लाही
तस्करसँ अवैध ‘मोलमोलाइ’क प्रकरण सार्वजनिक भेलाक बाद सर्लाही जिलाक बरहथवा नगरपालिका–११ स्थित हिरापुर इलाका पुलिस चौकी पर कार्यरत पूरा पुलिस स्टाफ केँ बदलबाक निर्णय लेल गेल अछि।
शुक्रदिन एकटा ऑडियो क्लिप सार्वजनिक भेल, जाहिमे हिरापुर पुलिस चौकीक तत्कालीन इन्चार्ज, प्रहरी नायब निरीक्षक (सइ) बैद्यनाथ दास एकटा तस्करसँ १८ हजार रुपैयाक माँग करैत स्पष्ट सुनायल गेल छथि। ऑडियो सार्वजनिक भेलाक किछुए घंटा मे सइ दास संगहि अडियो मे नाम लिआ गेल जवान सन्तोषकुमार यादव केँ तत्काल प्रभाव सऽ निलम्बित कऽ देल गेल अछि।
ई विवादक गम्भीरता केँ देखैत सर्लाही जिलाक पुलिस कार्यालय द्वारा हिरापुर चौकी पर कार्यरत आन आठ गोट पुलिस जवान केँ सेहो तत्काल मलंगवा सदर बुला लेल गेल अछि।
सर्लाही पुलिसक सूचना अधिकारी डिएसपी सरोज राईक अनुसार, हाल धरि हिरापुर इलाका पुलिस चौकीक नेतृत्व हेतु बरहथवा इलाका चौकी सऽ पुलिस सहायक निरीक्षक (असइ) तुलसी राउत केँ अस्थायी रूप सँ जिम्मेवारी देल गेल अछि। आन पुलिस जवान सभ केँ जिलाक मुख्यालय मलंगवा सऽ खटायल गेल अछि।
डिएसपी राई कहलनि जे, नवीन सइ पठेबाक विषय मे प्रदेश पुलिस कार्यालय सँग समन्वय कएल जा रहल अछि। एतबे नहि, सइ दास द्वारा तस्करसँ भेल संवादक सत्यता पुष्टि करबाक लेल जिलाक प्रहरी निरीक्षक विशाल बुढाथोकीक संयोजकत्व मे विशेष अनुसन्धान समिति सेहो गठन कएल गेल अछि।
ई घटनासँ पुलिस संगठनक अनुशासन आ उत्तरदायित्व पर फेर एक बेर गम्भीर बहस शुरु भऽ गेल अछि। स्रोतक अनुसार, सीमावर्ती क्षेत्रक सुरक्षा, तस्करी नियंत्रण आ पुलिसक भूमिका पर गंभीर सवाल उठय लागल अछि।
स्थानीय समुदाय ई निर्णय केँ यद्यपि किछु देर सऽ भेल, मुदा उचित आ सही दिशा मे उठायल गेल कदम मानि रहल अछि। हिरापुर जेकाँ संवेदनशील सीमाक्षेत्र मे पुलिसक पारदर्शिता आ निष्पक्षता पर आब आरो कड़ा नजरि राखल जायत, एहन जनअपेक्षा सेहो बढ़ल अछि।





































