शरीरक कोलेस्ट्रोल केनाक घटबै

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास

आजुकालक व्यस्त जीवनशैली, अनियमित खाय–पीय आ तनावक कारण बहुत लोक उच्च कोलेस्ट्रोलक समस्या सँ पिडित रहल छथि। ई समस्या नेपालमे मात्रे नहि, दुनियाभरि मे हृदयघात आ स्ट्रोकक प्रमुख कारण बनि गेल अछि। चिकित्सकसभक कहब अछि — कोलेस्ट्रोल आपसमे दुश्मन नहि अछि, मुदा ओकर असन्तुलन खतरनाक अछि।

कोलेस्ट्रोल दु प्रकारके होईतअछि? ·  LDL (Low-Density Lipoprotein)

  • HDL (High-Density Lipoprotein)
    (Low-Density Lipoprotein) यि

कोलेस्ट्रोल शरीरमे पाइबला मैन जेकाँ चरबीयुक्त पदार्थ अछि, जे हर्मोन, भिटामिन D आ पाचनक लेल आवश्यक पित्त रस बनाबैमे सहयोग करैत अछि।
मुदा, ई मात्रा बढ़लाक बाद खुनक नलीमे चरबी जमए लगैत अछि, जे खुनक प्रवाहमे अबरोध पहुँचबैत अछि आ हृदय तथा मस्तिष्क पर खराब प्रभाव पारैत अछि।

HDL (High-Density Lipoprotein) — ई “नीक कोलेस्ट्रोल” अछि, जे धमनीमे जमल चरबीसाफ करएमे सहयोग करैत अछि।

कोलेस्ट्रोल हाईके समस्या बढ़ि रहल अछि?
बर्दिबास, जनकपुर आ काठमाडौं जेकाँ शहरसभमे फास्टफुड संस्कृति से कोलेस्ट्रोलक मौन हत्यारा बनि गेल अछि। दफ्तरमे बैसल रहबाक आदत, बाइक आ गाड़ी पर निर्भरता, तनाव आ शारीरिक निष्क्रियता एकर मुख्य कारण अछि।
हृदय रोग विशेषज्ञक कहब अछि — “अत्यधिक मा न्स, चिकना खाना, मा न्स, बियर, मदिरा आ मिठाइजन्य खाद्य पदार्थ नियमित खेबासँ शरीरमे LDL कोलेस्ट्रोल बढ़ैत अछि।”

कोलेस्ट्रोल घटाबैकेँ प्राकृतिक उपाय

. खानपानमे सुधार

  • फाइबरयुक्त खाना: जौ, ओट्स, साग–सब्जी, फलफूल, चनादाल, हरियर मूँग आदिक सेवन करब उचित अछि।
  • ओमेगा युक्त तेल: तोरीक तेल, अल्सी, माछ (सैल्मन, म्याकरल आदिक) उपयोगी अछि।
  • चि कना प्रशोधित खाना छोड़ब: डिप फ्राई, बर्गर, सस, पेस्ट्री, पिज्जा जेकाँ खाद्य पदार्थ कम खेबाक चाही।
  • लालमान्स आ जनावरक शरीरके चरबी कम खेबाक: दाल आ सोयाबिन जेकाँ सस् ता प्रोटिन स्रोतक प्रयोग करब उचित अछि।

. नियमित व्यायाम
दैनिक ३०–४५ मिनट तेज चलावाई, दौड़, योग आ साइक्लिंगसँ HDL कोलेस्ट्रोल बढ़ैत अछि आ LDL घटैत अछि।
बर्दिबासक योग प्रशिक्षक सुमित्रा भट्टराई कहैत छथि —
हमेसा दबाईसँ नहि, नियमित योग प्राणायामसँ शरीरमे सन्तुलन आनल जा सकैत अछि।

. तनाव नियंत्रण
अधिक तनाव हर्मोनक असन्तुलन पैदाकरैत अछि आ शरीरमे चरबी बढ़ाबैत अछि। ध्यान, साँझक चलाई फिराई, परिवारक संग समय बिताबैक आ मनपसंद काज करबाक सँ तनाव घटैत अछि।

. मदिरा धूम्रपान छोड़ब
मदिरा आ धूम्रपान दुनू ब्लडक नली केँ क्षति पहुँचबैत अछि आ HDL घटाबैत अछि। ई आदत पूर्ण रूपसँ छोड़बाक चाही।

. पर्याप्त नींद लेब
रा ईतकेँ ७–८ घंटाक नींद हर्मोनक सन्तुलन राखैत अछि आ मेटाबोलिज्म सुधारैत अछि।

. प्राकृतिक जड़ीबूटी घरेलू उपाय

  • हसुन: शुबह खाली पेट एक–दु गो  ल हसुन के छिमरा खेबासँ LDL घटैत अछि।
  • हरियर चाय: एन्टिअक्सिडेन्टक कारणेँ चरबी घटाबैत अछि।
  • मेथीक दाना: रातभर पानीमे भिजबैकेँ बाद शुबह सेवन करब त लाभदायक अछि।

चिकित्सकीय सल्ला आवश्यक

जँ कोलेस्ट्रोल अत्यधिक स्तर पर पहुँचि गेल अछि, त डाक्टरक सल्ला ह लेके दबाई प्रयोग कएल जा सकैत अछि। मुदा दबाई मात्रे समाधान नहि — जीवनशैलीक परिवर्तन दीर्घकालीन उपाय अछि।

स्थानीय दृष्टिकोण

बर्दिबासक बहुत युवासभ आईके समय मे जिम, साइक्लिंग आ फुटबल जेकाँ खेलक गतिविधिमे सक्रिय छथि, जे स्वास्थ्यप्रति सचेतनताक संकेत देइत अछि। मुदा ग्रामीण क्षेत्रमे अभियो मान्स आ चिकना परिकारक अत्यधिक सेवनसँ समस्या बढ़ि रहल अछि। एहन स्थिति मे बर्दिबासक स्वास्थ्य संस्था सभकेँ सचेतना अभियान चलाबैक आवश्यकता अछि।

कोलेस्ट्रोल घटाबै क लेल सन्तुलित आहार, नियमित व्यायाम, तनाव नियन्त्रण आ आत्मानुशासनक अभ्यास दीर्घकालीन उपचार अछि।
हृदय स्वस्थ रहय — एहि लेल आब सँ स्वस्थ जीवन अपनाबैक संकल्प लि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...