आज्ञा खबर
जनकपुर
अगिला अगहन २३ गतेसँ जनकपुरधाममे सुरु हुअबला सप्ताहव्यापी श्रीराम जानकी विवाहपञ्चमी महामहोत्सवके व्यवस्थापनक लेल विभिन्न समिति गठन कएल गेल अइछ ।
महोत्सवकेँ भव्य, व्यवस्थित आ सुरक्षित बनेबाक लेल जानकी मन्दिर शान्ति सुरक्षा, प्रचारप्रसार, बजार व्यवस्थापन, रङ्गभूमि मैदान तथा प्रवेशद्वार व्यवस्थापन, पण्डाल निर्माण, ट्राफिक, पिबैबला पाइन आ विद्युत व्यवस्थापनलगायतक विषयमे अलग–अलग समिति गठन केलक अइछ । महोत्सवक तैयारीबारे वृहस्पैतदिन मन्दिर परिसरमे आयोजित सर्वपक्षीय बैसारसँ समिति गठन क जिमेवारी बाँडफाँट करबाक निर्णय कएल गेल ।
अइ सालके महोत्सवकेँ वितल सालसँ थप व्यवस्थित आ भव्य बनेबाक उद्देश्यसँ बैसार आयोजन कएल गेल छल । जानकी मन्दिरके महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णवके अगुवाइ तथा उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास वैष्णवके संयोजनमे सम्पन्न बैसारमे उत्तराधिकारी महन्थ दास महोत्सव सफल बनेबाक आवश्यक तैयारी आगु बढ़ाएल गेल बतौलैन ।
महोत्सवकेँ व्यवस्थित बनेबाक लेल स्थानीय प्रशासन, सुरक्षा निकाय, स्थानीय तह तथा सम्बन्धित सरोकारवाला निकाय बीच प्रभावकारी समवंय आ सहकार्य आवश्यक रहल ओ बतौलैन । विवाहपञ्चमी महोत्सवमे सहभागी होबाक लेल नेपालके विभिन्न जिला तथा भारतके अयोध्यासहितक स्थानसँ हजारो साधुसन्त आ श्रद्धालु जनकपुरधाम एबाक कारण ओकरासभक स्वागत, आवास, सुरक्षा आ आवागमनकेँ सहज बनेबाक विषयकेँ बैसारसँ प्राथमिकता देल गेल अइछ । बैसारमे धार्मिक सङ्घसंस्था, नागरिक समाज, जनप्रतिनिधि, सुरक्षा निकाय, सञ्चार क्षेत्र तथा विभिन्न सरकारी कार्यालयके प्रतिनिधिके सहभागिता छल । (रासस)
