आज्ञा खबर
धनुषा
जनकपुरधाम–ढल्केवर छ लेन व्यापारिक सड़कअन्तर्गत धनुषाके क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–५ स्थित महेन्द्रनगर बजारमे निर्माणाधीन दूटा आकाशे पुलके निर्माण सम्पन्न भेल अइछ । पुलमे रङरोगन तथा सौन्दर्यीकरणके काज भ रहल आ जल्दी सर्वसाधारणके लेल सञ्चालन करबाक तैयारी कएल गेल अइछ । मधेश प्रदेशमे पहिल बेर निर्माण कएल गेल ई पुल पैदल यात्रीके आवागमन सुरक्षित आ सहज बनेबाक उद्देश्यसँ निर्माण कएल गेल सड़क डिभिजन कार्यालय मुजेलिया, जनकपुरधाम जनौलक अइछ ।
सड़कपर पैदल यात्रीके भीड़ बेसी हुअबला महिला विकास चौक आ सखुवा चौकपर दू तथा लक्ष्मीनिया गाउँपालिकामे एकसहित तीनटा आकाशे पुल निर्माणक लेल करिब १० करोड़ ५० लाख टका लागत अनुमान कएल गेल छल । ओइमध्ये महेन्द्रनगरके दूटा पुल निर्माण सम्पन्न भेल सड़क डिभिजन कार्यालयके प्रमुख डिभिजनल इन्जिनियर दरोगा प्रसाद साह जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार लक्ष्मीनिया गाउँपालिकामे निर्माणाधीन तेसर पुलके काज सेहो तीव्र गतिमे भ रहल अइछ । उक्त पुल अगहन महिनाधैर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल अइछ । निर्माण लागतअनुसार महिला विकास चौकके पुलके लेल तीन करोड़ ३५ लाख टका, सखुवा चौकके पुलके लेल तीन करोड़ ५७ लाख टका आ लक्ष्मीनियाके पुलके लेल तीन करोड़ ४२ लाख टका विनियोजन कएल गेल अइछ ।
तीनू पुलके लागत मूल्य अभिवृद्धि कर (भ्याट) सहित अइछ । पुल निर्माणके जिमा दूटा निर्माण कम्पनीके भेटल अइछ । सड़क डिभिजन कार्यालयके साइट इन्जिनियर उज्ज्वल झाके कहब अनुसार प्रत्येक पुलके उचाइ पाँच दशमलव छ मिटर, लम्बाइ २९ दशमलव चाइर मिटर आ चौड़ाइ तीन मिटर अइछ । पुल सञ्चालन भेलाक बाद पैदल यात्रीके व्यस्त सड़कपर सवारीसाधनके जोखिम ल क सड़क पार करबाक अवस्था अन्त्य होबाक ओ बतौलैन ।
जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय धनुषाके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक सूर्य बहादुर शाही पुल सञ्चालन भेलाक बाद सड़क दुर्घटनाके जोखिम कम होबाक बतौलैन । पूर्व–पश्चिम राजमार्ग होइत जनकपुरधाम प्रवेश करैबला प्रमुख सड़क भेलासँ अइ क्षेत्रमे दैनिक सओसँ बेसीके सङ्ख्यामे पैदल यात्रीके आवागमन होइत आएल ओ जानकारी देलैन । स्थानीय शम्भु प्रसाद यादव महिला विकास चौक आ सखुवा चौक आसपास हाटबजार, शैक्षिक संस्था तथा बस्ती भेलासँ अइसँ पहिने सड़क आरपार करबाक जोखिम होइत आएल बतौलैन । क्षीरेश्वरनाथ बहुमुखी क्याम्पसके प्राचार्य सेहो रहल यादव पुल सञ्चालन भेलाक बाद बालबालिका, विद्यार्थी आ ज्येष्ठ नागरिकर्केँ आवतजावतमे सहज होबाक विश्वास व्यक्त केलैन । (रासस)





































