आइसँ वीरगञ्जमे वाड कार्यालयसँ मालपोत कर चुक्ता

 

आज्ञा खबर

वीरगञ्ज

आइसँ वीरगञ्जवासी वाड कार्यालयसँ मालपोत कर चुक्ता क सकत । वीरगञ्ज महानगरपालिका नगरवासीकेँ मालपोत कर चुक्ता करबाक लेल सहज हुअजका आब सम्बन्धित वाड कार्यालयसँ मालपोत कर सङ्कलन करबाक व्यवस्था लागू केलक अइछ । आइसँ महानगरपालिकाके सब वाड कार्यालयसँ अनिवार्य रूपमे मालपोत कर सङ्कलन क सकबाक व्यवस्था मिलाएल गेल महानगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत वसन्त बहादुर बोहरा जानकारी देलैन । ओ कहलैन, “अइ ठामक नगरवासीकेँ घर लगसँ सहज, सरल आ प्रभावकारी सेवा उपलब्ध करेबाक महानगरपालिकाके नीतिअनुसार वाड कार्यालयसँ मालपोत कर चुक्ता करबाक व्यवस्था कएल गेल छै । आब मालपोत कर चुक्ता करबाक लेल महानगरपालिकाके मुख्य कार्यालयधैर एबाक बाध्यता हटत ।

” प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बोहरा कर सङ्कलनक लेल आवश्यक व्यवस्था मिलेबाक कहि महानगरपालिकाके सब वाड कार्यालयकेँ निर्देशन देल गेल बतौलैन ।

महानगरपालिका सूचना जारी क नगरवासीकेँ सम्बन्धित वाड कार्यालयसँ मालपोत कर चुक्ता करबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।

नगरवासीकेँ सेवा लेबाक लेल अनावश्यक झन्झट नै होए आ अपने वाड कार्यालयसँ सहज रूपमे सेवा प्राप्त क सकबाक उद्देश्यसँ वाड तहसँ मालपोत कर सङ्कलन करबाक व्यवस्था कएल गेल आ ई व्यवस्था प्रभावकारी होबाक महानगरके कहब अइछ ।(रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...