आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जनकपुरधाम, ११, आसिन : मधेश प्रदेश सरकारक अर्थ मन्त्रालय आ कोशी प्रदेश सरकारक आर्थिक मामिला तथा योजना मन्त्रालय बीच आर्थिक तथा वित्तीय क्षेत्रमे सहकार्य आ समवंय करबाक समझदारी भेल अइछ । मधेश प्रदेशक अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई आ कोशी प्रदेशक आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री विदुर कुमार लिङ्थेपद्वारा शुक्रदिन हस्ताक्षरित समझदारीपत्रमे दूनु प्रदेशक अर्थ/आर्थिक मामिला मन्त्रालय बीच पूर्व–बजेट परामर्श, बजेट तर्जुमा, राजस्व प्रशासन, सार्वजनिक वित्तीय व्यवस्थापन, वित्तीय संघीयता तथा आर्थिक नीतिलगायत क्षेत्रमे सहकार्य करबाक उल्लेख अइछ । समझदारीअनुसार दूनु प्रदेश वार्षिक नीति तथा कार्यक्रम आ बजेट निर्माणसँ पहिने सझिया प्राथमिकता, राजस्व तथा आर्थिक नीतिके विषयमे संयुक्त परामर्श तथा कार्यशाला करत । तहिना, समान प्रकृतिके कार्यक्रमसँ हुअबला दोहरा खर्च कम करैत उपलब्ध स्रोतसाधनके अधिकतम उपयोग करबाक नीति अपनेबाक उल्लेख अइछ ।
समझदारीपत्रमे संयुक्त अन्तरप्रदेशीय समवंय समिति गठन क वार्षिक सहकार्य कार्ययोजना बनेबाक तथा प्रगति समीक्षा करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ, तँ मन्त्रिस्तरमे वार्षिक उच्चस्तरीय सम्मेलन सेहो बेरा-बेरी आयोजन करबाक समझदारीपत्रमे उल्लेख अइछ । राजस्व सम्भाव्यता अध्ययन, राजस्व सुधार कार्ययोजना, स्थानीय तहके राजस्व प्रशासन सुदृढ़ीकरण, वित्तीय हस्तान्तरण, राजस्व बाँडफाँट तथा प्रदेश–स्थानीय तह बीचक वित्तीय सम्बन्धक विषयमे सेहो संयुक्त अध्ययन तथा अनुसन्धान करबाक मन्त्री भट्टराई बतौलैन । तहिना, डिजिटल सार्वजनिक वित्तीय प्रणालीके प्रयोग तथा तालिममे सहकार्य करबाक आ तथ्याङ्क तथा सूचना आदान-प्रदान करैतकाल गोपनीयता तथा सुरक्षा मापदण्ड अपनेबाक समझदारी भेल अइछ ।
रोजगारी, नवप्रवर्तन, उद्यमशीलता, साना तथा मझौला उद्योग आ निजी क्षेत्रक लगानी प्रवर्द्धनक लेल सझिया कार्यक्रम सञ्चालन करबाक तथा बाइढ़, भूस्खलन तथा डुबानजेहन विपद व्यवस्थापनमे अनुभव आदान-प्रदान आ आपतकालीन समवंय करबाक समझदारीमे उल्लेख अइछ । धार्मिक तथा अन्य पर्यटकीय संयुक्त संरचना निर्माण क ओइसँ प्राप्त हुअबला राजस्व बाँडफाँटके ढाँचा तैयार करबाक विषयकेँ सेहो सहकार्यक क्षेत्रमे समेटल गेल अइछ । समझदारी कार्यावंयनक लेल दूनु प्रदेशक अर्थ/आर्थिक मामिलामन्त्रीके नेतृत्वमे उच्चस्तरीय मार्गदर्शक समिति तथा मन्त्रालयके सचिवक नेतृत्वमे प्राविधिक एवं कार्यावंयन समिति गठन कएल जाएत । कार्यावंयनमे निरन्तर समवंयके लेल दूनु मन्त्रालयसँ उपसचिवस्तरक एक–एक अधिकारीकेँ सम्पर्क व्यक्ति निर्धारण कएल जाएत ।
दूनु प्रदेश २०८२ कातिक १५ गते हेटौँडामे प्रदेशक अर्थ/आर्थिक मामिलामन्त्री जारी कएने ‘वित्तीय संघीयता सुदृढ़ीकरणक लेल प्रदेशक आर्थिक मामिला मन्त्रीके सझिया प्रतिबद्धता’केँ मार्गदर्शनक रूपमे आत्मसात करबाक जनाओल गेल अइछ । संयुक्त रूपमे सञ्चालन हुअबला कार्यशाला, तालिम, प्रविधि विकास तथा अध्ययन–अनुसन्धानमे दूनु प्रदेश ५०–५० प्रतिशत लागत व्यहोरबाक समझदारीपत्रमे उल्लेख अइछ । (रासस)
