वीरगञ्ज भंसारसँ भादबमे २३ अरब ४६ करोड़ राजस्व सङ्कलन

आज्ञा खबर

वीरगञ्ज

वीरगञ्ज भंसार कार्यालय बितल एक महिनामे २३ अरब ४६ करोड़ राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । वीरगञ्ज भंसार कार्यालय अनुसार चालु आव २०८३/८४ के भादबमे २३ अरब ४६ करोड़ १५ लाख टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ ।

कार्यालयकेँ देल गेल मासिक लक्ष्यके ई ९९.७५ प्रतिशत अइछ । भादब महिनाधैरके सङ्कलन सङे चालु आर्थिक वर्षके वार्षिक राजस्व लक्ष्यके १४.५२ प्रतिशत पूरा भेल भंसार कार्यालयके प्रमुख भंसार कार्यालयके प्रवक्ता पूर्ण प्रसाद लम्साल जानकारी देलैन । मूल्य तथा राजस्व योगदानक आधारमे बिस्कुट, दलहन, कपड़ा तथा लत्ताकपड़ा, औद्योगिक कच्चा पदार्थ आ खाद्यान्न प्रमुख आयातित वस्तु रहल भंसार कार्यालय जनौलक अइछ ।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...