भोटेकोशी बाइढ़के बाद वीरगन्ज नाकासँ ७० प्रतिशत आयात बढ़ल

 आज्ञा खबर

बारा

भोटेकोशी बाइढ़बाद वीरगन्ज नाकासँ दैनिक ७० प्रतिशत आयात बढ़ल वीरगन्ज भंसार कार्यालय जनौलक अइछ । विनाशकारी बाइढ़के बाद रसुवा आ तातोपानी भंसार नाका अवरुद्ध भेलासँ चीनसँ आयात होएबला किछ मालवस्तु नाका परिवर्तन क वीरगन्जसँ अएलासँ आयात बढ़ल वीरगन्ज भंसार कार्यालयक प्रमुख भंसार प्रशासक कृष्णप्रसाद मैनाली बतौलैन ।

“दशमी, दियावाती आ छैठजकाँ प्रमुख परपावैन लगचिएलाक बाद लत्ताकपड़ा, जुत्ता, सजावटजन्य सामग्री, ड्राइ फ्रुट, चकलेटलगायत मालवस्तु आनल गेलासँ आयात बढ़ब स्वभाविक छै।” प्रमुख भंसार प्रशासक मैनालीअनुसार उत्तरी नाका अवरुद्ध रहल अवस्थामे व्यापारीसभ दक्षिणी नाकासँ परपावैन लक्षित सामान आयात क रहल अइछ ।

दशमी तथा अन्य पावैन लक्षित मालसामन नाका परिवर्तन भेलोपर अनबाक शुरू कएने अइछ । वीरगन्ज भंसारअन्तर्गतके सिर्सिया सुक्खा बन्दरगाहासँ रेलमार्फत चीनसँ आयात भेल किछ सामान आइब चुकल तथा परपावैन लक्षित सामानसङे इन्धन, सवारी साधन, निर्माणजन्य, तेललगायत मालवस्तु नियमित आयात भेलासँ भादब महिनामे वीरगन्ज भंसारके राजस्व असुली उत्साहजनक रहल ओ स्पष्ट केलैन । मैनाली कहलैन, “अखन दैनिक ७० प्रतिशत राजस्व बढ़ल छै ।

भादब महिनाके राजस्व असुलीके लक्ष्य २३ अरब ५२ करोड़ छै जाहिमे २४ गते बुधदिनधैर ९३ दशमलव ३७ प्रतिशत राजस्व सङ्कलन भ चुकल छै ।” भोटेकोशी बाइढ़े़ बाद काठमाण्डूके मुख्य सड़क अवरुद्ध भेलासँ बाद मालवाहक सवारीकेँ वैकल्पिक सड़क प्रयोग करए पड़ल तथा एकटा कन्टेनरके सामन तीन टामे ढुवानी कएलासँ बजारमे महगी बढ़बाक उपभोक्ताबादी संघसंस्था चिन्ता व्यक्त केलक अइछ । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...