आज्ञा खबर
काठमाण्डू
जलस्रोत तथा जलविज्ञान अनुसन्धान केन्द्र बाइढ़ पूर्वानुमान महाशाखा भोटेकोशी, त्रिशूलीसहित अगलबगलके नदीमे आइ पाइनके सतह बढ़बाक आ आकस्मिक बाइढ़के उच्च सम्भावना रहल जनौलक अइछ । महाशाखाके बाइढ़विद् सरस्वती विष्ट रसुवा आ नुवाकोटमे बहएबला उक्त नदी क्षेत्रके बासीकेँ उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलैन ।
ओ कहलैन, “नेपाल–चीन सीमाक्षेत्रमे ताल बनल छै । उक्त ताल कोनो समयमे फुइट सकैत छै तँए दोसर सूचना जारी नै भेलाधैर सर्वसाधारणकेँ उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह करैत आएल छी । वर्षाके सम्भावना सेहो भेलासँ आइ आ काइल उक्त जिलामे बाइढ़के उच्च जोखिम अइछ ।”
विष्टअनुसार ताप्लेजुङ, सङ्खुवासभा, सोलुखुम्बु, रामेछाप, दोलखा, सिन्धुपाल्चोक, काभ्रेपलाञ्चोक, ललितपुर, भक्तपुर, काठमाण्डू, धादिङ, मकवानपुर, चितवन, गोरखा, तनहुँ, लमजुङ, मनाङ, कास्की, स्याङ्जा, पर्वत, म्याग्दी, बागलुङ, रुकुम पूर्व, रुकुम पश्चिम, रोल्पा, सल्यान, सुर्खेत, जाजरकोट, दार्चुला, बैतडी, डडेल्धुरा आ कञ्चनपुर अगलबगलके जिलामे बहएबला नदी तथा खोलामे सेहो आइ पाइनके सतह बढ़बाक सम्भावना अइछ ।
महाशाखा उक्त क्षेत्रके नदी तथा खोलामे आकस्मिक बाइढ़के जोखिम रहलासँ तटीय क्षेत्रमे बसोबास नै करबाक तथा नदी कातसँ यात्रा केनिहार सर्वसाधारणकेँ सतर्क रहबाक आग्रह केलक अइछ । (रासस)
