प्रधानमन्त्री राहत कोषमे जमा भेल करिब आठ अरब

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू,

रसुवाक बाइढ़ प्रभावितक लेल आर्थिक सहयोग जमा होबाक क्रम बइढ़ रहल अइछ । प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आइ प्रतिनिधिसभाक बैसारमे सम्बोधन करैत नेपाल सरकार प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोष आ प्रधानमन्त्री राहत कोषमार्फत बाइढ़ प्रभावितक लेल आर्थिक सहयोग जमा भ रहल आ एहिमे सहयोग बइढ रहल जानकारी देलैन अइछ ।

हुनक कहब अनुसार राहत कोषमे बुधदिनधैर सात अरब ८८ लाख ५७ हजार २१७ टका जमा भेल अइछ । जाहिमे काइधधैर उक्त कोषसँ राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणकेँ एक अरब टका निकासी कएल गेल छल । ताहिमे छ करोड़ ७५ लाख रसुवा, नुवाकोट, धादिङ, गोरखा आ तनहुँके बाइढ़ प्रभावित १५ टा पालिकामे निकास भ चुकल अइछ । उक्त कोषमे हाल टका छ अरब ८८ लाख ५७ हजार २१७ मौज्दात रहल अइछ तँ आओर ६१ लाख ४१ हजार ७०२ टका अमेरिकी डलर जमा भेल अइछ ।(रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...