मुक्त हरवा चरवा संघर्ष समितिद्वारा धर्ना स्थगित

[sharethis-inline-buttons]

 आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

मधेश प्रदेश सरकारक कार्यसम्पादन तथा कार्यविभाजनसम्बन्धी नियमावली परिमार्जन करबाक प्रक्रिया आगू बढ़ेबाक भेल अइछ । मधेश प्रदेश सरकारक भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारीमन्त्री श्यामप्रसाद पटेल आ विभिन्न मागसहित मुख्यमन्त्री कार्यालय आगू धर्ना दैत आएल मुक्त हरवा चरवा संघर्ष समितिक प्रतिनिधिबीच मङ्गलदिन भेल वार्तामे कार्यविभाजनसम्बन्धी नियमावली परिमार्जनक लेल आवश्यक प्रक्रिया आगू बढ़ेबाक सहमति भेल अइछ ।

वार्तामे प्रदेश सरकारक कार्यविभाजन तथा कार्यसम्पादनकेँ आओर व्यवस्थित, प्रभावकारी आ समयानुकूल बनेबाक लेल विद्यमान नियमावलीमे आवश्यक संशोधन तथा परिमार्जन प्रस्तावकेँ आगू बढ़ेबाक सहमति भेल मुक्त हरवा चरवा संघर्ष समितिक सदस्य बलराम भट्टराई जानकारी देलैन अइछ । तहिना, हरवा चरवाके लगत सङ्कलन, प्रमाणीकरण तथा पाठ्यक्रम/निर्देशिकासम्बन्धी व्यवस्थाकेँ आवश्यकतानुसार परिमार्जन करबाक विषयमे सेहो निर्णय भेल अइछ ।

विद्यमान व्यवस्था कार्यान्वयनका क्रममे देखाएल आवश्यकता आ समस्याकेँ सम्बोधन लेल सम्बन्धित निर्देशिकामे आवश्यक संशोधन कएल जाएबला सहमति भेल ओ बतौलैन । अइ लेल आवश्यक अध्ययन क निर्देशिका परिमार्जनके काज आगू बढ़ेबाक लेल भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्रालयक कृषि प्रसार अधिकृत अविनाश कुमार झाके संयोजकत्वमे सम्बन्धित मन्त्रालय तथा सरोकारवाला निकायके प्रतिनिधि सम्मिलित समिति गठन करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

समिति विद्यमान व्यवस्था अध्ययन क आवश्यक संशोधनके विषयमे सुझाव तथा प्रस्ताव तैयार करत । बैसार दोसर निर्देशिका परिमार्जनसम्बन्धी प्रस्तावके विषयमे अध्ययन, समीक्षा तथा आवश्यक सुधारक लेल समिति गठन क परिमार्जनके प्रक्रिया आगू बढ़ेबाक दुनु पक्षबीच सहमति भेल ओ जानकारी देलैन अइछ । सहमति भेल लग भादब १० गतेसँ मुक्त हरवा चरवा संघर्ष समिति जनकपुरधामस्थित मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदके कार्यालय आगू जारी रहल धर्ना स्थगित कएल गेल सदस्य भट्टराई बतौलैन ।(रासस)

 

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...