अर्धमासिक तलब भुक्तानी करबाक लेल परिपत्र

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काठमाण्डू  

महालेखा नियन्त्रक कार्यालय राष्ट्रसेवक कर्मचारीके तलबभत्ता अर्धमासिक रुपमे भुक्तानी करबाक लेल सम्बन्धित निकायकेँ पत्राचार केलक अइछ । सोमदिन कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालय सब निवृत्तभरण व्यवस्थापन कार्यालय आ कुमारी चौक तथा केन्द्रीय तहसिल कार्यालयकेँ पत्राचार क संघीय सरकार अन्तर्गतके निकायमे कार्यरत राष्ट्रसेवककेँ हरेक १५ दिन पहुँचलाक बाद अर्धमासिक रुपमे तलबभत्ता भुक्तानी करबाक लेल पत्राचार भेल अइछ । अर्थमन्त्रीस्तरके २०८३ वैशाख ४ गतेके नीतिगत मार्गदर्शन अनुसार संघीय सरकार अन्तर्गतके निकायमे कार्यरत राष्ट्रसेवक कर्मचारी १५ दिन काज कएलाक बाद तलबभत्ता उपलब्ध करेबाक आग्रह भेल अइछ । तहिना, बजेट वक्तव्य २०८३/८४ अनुसारके कर्मचारी प्रोत्साहन भत्ता सेहो भुक्तानी करेबाक एवम् कोष तथा लेखा नियन्त्रक कार्यालयक कार्य क्षेत्रके संघीय सरकारी निकायसँ उपर उल्लेख अनुसार भुक्तानी करबाक लेल सेहो आग्रह कएल गेल अइछ । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...