दहेजक कारण केकरो अन्याय भेलापर हमरा सम्पर्क करबः उपसभामुख ठाकुर

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

प्रतिनिधि सभाके उपसभामुख रुबी कुमारी ठाकुर दहेजक कारण केकरो अन्याय भेलापर सम्पर्क करबाक लेल सबसँ आग्रह केलैन अइछ । धनुषाके ढल्केबरमे नाई सहयोग संस्था नेपालक दोसर अधिवेशन तथा चारिम साधारणसभाके शैनदिन उद्घाटन करैत उपसभामुख ठाकुर दहेज प्रथा विरुद्ध हम निरन्तर आवाज उठाबैत एलाँ दहेजक कारण केकरो अन्याय भेलापर हमरासँ सम्पर्क करबाक लेल आग्रह केलैन ।

दहेज ल क वा द क विवाह करब तथा दहेजक लेल दबाब देबाक काज कानुनी रूपमे दण्डनीय भेलासँ ओइ प्रकारक काज नै करबाक लेल आग्रह करैत उपसभामुख ठाकुर दहेज प्रथा अन्त्यके लेल सामूहिक प्रयास आवश्यक भेल बतौलैन । दहेज प्रथाके अन्त्य करए आ ठाकुर समुदायकेँ सामाजिक तथा राजनीतिक रूपमे आगु बढ़ेबाक लेल सबके एक दोसरकेँ सहयोग करबाक लेल ओ जोड़ देलैन ।

“बेटीकेँ दहेज नै भ शिक्षा दिअ, बेटाके विवाह करैतकाल दहेज नै लिअ”, उपसभामुख ठाकुर कहलैन, “दहेज समाजक लेल अभिसाप छै, सबके मिल क एकर अन्त्य करु ।” उक्त कार्यक्रममे सिरहा नाई समाजक श्याम कुमार ठाकुर उपसभामुख ठाकुरकेँ हजाम समुदायक सामाजिक, आर्थिक, शैक्षिक तथा राजनीति उत्थानसहित राज्यके हरेक निकायमे प्रतिनिधित्व सुनिश्चित करबाक लेल माँग पत्र देलैन ।  (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...