आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
भंसार चोरीपैठारी नियन्त्रण अभियानअन्तर्गत धनुषा प्रहरी पछिला २६ दिनमे ८१ लाख सात हजार ७८६ टका बराबरके अवैध सामान बरामद केलक अइछ । जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक मधुसुदन न्यौपाने अनुसार साओन १ गतेसँ २६ गतेधैर विभिन्न ठामसँ ८१ लाख सात हजार ७८६ बराबरके अवैध सामान बरामद कएल गेल आ पाँच व्यक्तिकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
एहिने उक्त अवधिमे लागुऔषधसहित २४ व्यक्तिकेँ गिरफ्तार क १९ टा लागुऔषधसम्बन्धी मुद्दा दर्ता कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपाने भेल जानकारी देलैन अइछ । उक्त क्रममे ३४ किलो गाँजा, १८५.८२ ग्राम खैरोहेरोइन, २४३ थान नाइट्रोजेपाम, पाँच थान स्पास्मोरेटल, १४ थान एन्टिकफ ट्याब्लेट आ नौ थान कोलिबेन बरामद कएल गेल ओ बतौलैन । तहिना, हातहतियारसम्बन्धी एकटा मुद्दा दर्ता कएल गेल आ तीन गोटे व्यक्ति पकड़ाएल प्रहरी जनौलक अइछ ।
बरामद हातहतियारमे पेस्तोल एक थान, पेस्तोलके म्यागजिन एक थान, ७.६५ केएफ लेखल गोली एक थान आ नौ एमएम केएफ लिखल गोली एकटा आ पाँच थान सामग्री रहल प्रहरी जनौलक अइछ । हुनक कहब अनुसार फैसला कार्यान्वयन अभियानकेँ सेहो तीव्रता देल गेल अइछ । अइ अवधिमे ४१० टा गिरफ्तार पुर्जी कार्यान्वयन कएल गेल अइछ । विभिन्न अदालतसँ फैसला भेल व्यक्तिपर कारबाही करैत १५८ साल आठ महिना सात दिन कैद सजाय कार्यान्वयन कएल गेल तथा जरिवाना ६३ लाख ७७ हजार २६१ टका असुल कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपाने बतौलैन । (रासस)
