लालबकैया नदीमे हराएल दू बच्चाक शव भेटल, एकके खोजी

[sharethis-inline-buttons]

 आज्ञा खबर

रौतहट

रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिका–१ करुनियास्थित लालबकैया धारमे नुहेबाक क्रममे मङ्गलदिन दुपहरमे बेपत्ता भेल तीन बच्चामध्ये एक बालक आ एक बालिकाके शव भेटल अइछ । स्थानीय १० वर्षीय बालक मोहमद रहमतुल्लाह आ सएह उमेरके बालिका सवनम खातुनके शव आइ भोरमे मिलल जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता एवम् प्रहरी नायब उपरीक्षिक वसन्त गौतम जानकारी देलैन।

घटनास्थलसँ करिब पाँच किमी दक्षिण परोहा नपा वाड नं २ जिङ्गडवास्थित लालबकैया धारके किनारमे करिब २०० मिटरके दूरीमे शव मिलल रौतहट जिला प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ । कानुनी प्रक्रिया पूरा क ‘पोष्टमार्टम’के लेल प्रहरी कार्यालय गरुडा प्रहरी निरीक्षक प्रमोद खड्का नेतृत्वके समूह घटनास्थलमे खटल रौतहट जिला प्रहरी प्रवक्ता गौतम जानकारी देलैन ।(रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...