धनुषा प्रहरीद्वारा ४४ फरार प्रतिवादी गिरफ्तार

[sharethis-inline-buttons]

 

आज्ञा खबर

जनकपुरधाम

जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा अदालतसँ कैद तथा जरिवाना सजाय निर्धारण कएलाक बाद फरार रहल ४४ गोटे प्रतिवादीकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक मधुसुदन न्यौपानेके कहब अनुसार बुधदिन विभिन्न स्थानसँ ४४ गोटे फरार प्रतिवादीकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

गिरफ्तार कएल गेल प्रतिवादीकेँ खोजतलासक क्रममे जिला प्रहरी कार्यालय तथा मातहतके प्रहरी एकाइ नियन्त्रणमे ल आवश्यक कारबाहीके लेल धनुषा जिला अदालतमे उपस्थित कराओल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपाने बतौलैन । गिरफ्तार भेलमध्ये सबसँ बेसी लागुऔषधसम्बन्धी मुद्दाके प्रतिवादी अइछ । तहिना, चोरी, मोटरसाइकल चोरी, बहुविवाह, सवारी जान, कर्तव्य जान, अपहरण तथा शरीर बन्धक, लुटपाट, माइरपिट, बेइज्जत आ सवारी अङ्गभङ्गलगायत विभिन्न मुद्दाके फरार प्रतिवादी सेहो गिरफ्तार भेल प्रहरी उपरीक्षक न्यौपाने बतौलैन ।

ओकरासभकेँ अदालतसँ छ दिनसँ चाइर सालधैर कैद सजाय तथा ५ सओ टकासँ एक लाख ५० हजार टकाधैर जरिवाना निर्धारण कएल गेल छल । अदालतके फैसला कार्यावंयन अभियानअन्तर्गत फरार प्रतिवादीकेँ निरन्तर खोजी क गिरफ्तार करबाक अभियान जारी रहल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अइछ । अदालतके फैसला कार्यावयनकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल फरार प्रतिवादीके खोजी तथा गिरफ्तार अभियानकेँ आबैबला दिनमे सेहो निरन्तरता देबाक प्रहरी नायब उपरीक्षक न्यौपानेके कहब छैन । (रासस)

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...