वर्षामे बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेलापर आधा घण्टामे खुलाएल जाएत

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

काभ्रेपलाञ्चोक

बेरबेरके बाइढ़ तथा भुस्खलनमे क्षति भेल बिपी राजमार्गके काभ्रेपलाञ्चोक–सिन्धुली खण्डमे आब अवरुद्ध भेलापर आधा घण्टाेमे खुलेबाक तैयारी कएल गेल अइछ । आब किछ दिनमे पुनर्निर्मित ट्रयाकसँ सवारी सञ्चालन कएल जेबाक सड़क डिभिजन कार्यालय भक्तपुर जनौलक अइछ । कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर सुमन योगेश अनुसार साविक स्थानमे पुनःनिर्माण भेल अधिकांश खण्डसँ आवागमन भ रहल अइछ ।

अइसँ पहिने तँ खोलाेमे अस्थायी डाभइभर्सनमे रोशी खोलामे पाइन बढलासँ डाइभर्सन बहल करैत छल । हनुक कहब अनुसार चौकीडाँडासँ कटुञ्जेबेँसी, लाष्कोट, चारसयबेँसी, नार्के, चिउरीबास, बोक्सीकुना होइत पिप्लेधैर पुरने ट्रयाकसँ सवारी चलाएल गेल छै । चौकीडाँडा, चारसयबेँसी, घुमाउनेबेँसी, बोक्सीकुना, चिउरीबास, कालोढुंगा तथा पिप्ले–बर्खेखोला क्षेत्रकेँ कार्यालय उच्च जोखिमके रूपमे पहिचान केलक अइछ । क्षतिग्रस्त स्थानमे ग्राभेल तथा अन्य किछ स्थानमे सड़क तैयार कएल गेल अइछ । रासस

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...