बैंकिङ कसुर मुद्दामे बर्दिबास–९ के वडाध्यक्ष पक्राउ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिवास

महोत्तरीकेँ बर्दिबास नगरपालिका–९ केँ वडाध्यक्ष घुरन महतो बैंकिङ कसुरसम्बन्धी मुद्दामे पक्राउ परलअछि।

प्रहरीकेँ अनुसार महतोकेँ महोत्तरी जिल्ला अदालतकेँ आदेशानुसार एक महिना पहिने सेँ फरार प्रतिवादीक सूचीमे राखल गेल छल। सोही आधारमे प्रहरी ओकरा बृहस्पध दिन बर्दिवास

नगरपालिका–९ स्थित ओकर अपन निवासे सँ नियन्त्रणमे लेलक अछि।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी केँ प्रहरी नायब उपरीक्षक पञ्चलाल गोलेले पक्राउ परेला महतोकेँ इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबासक हिरासतमे राखल गेल जानकारी दैत बैंकिङ कसुरसम्बन्धी मुद्दामा थप अनुसन्धान भऽ रहल बतओलनि।

प्रहरी मुद्दा सम्बन्धी आवश्यक कानुनी प्रक्रिया अगाडि बढायल गेल जनाएल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।