अत्यधिक गर्मीक कारण बर्दिवासक सभ विद्यालय दु दिन बन्द

[sharethis-inline-buttons]

निकेश खनाल

बर्दिवास

बर्दिवास नगरपालिका अत्यधिक गर्मी आ गरम हवा (लू) क प्रभाव बढ़ैत गेला क,वाद नगरभितर सञ्चालित सभ विद्यालयमे दुई दिनक लेल विदा दैबाक निर्णय कएने अछि। नगरपालिका बुधदिन सूचना जारी करैत बिगत किछु दिनसँ निरन्तर बढ़ि रहल तापक्रमक कारण जनजीवन प्रभावित होएक साथे विद्यालयमे अध्ययनरत् बालबालिकाक स्वास्थ्यमे प्रतिकूल असर पड़ि सकैबाक जोखिम बढ़ल हुअइ सँ मिति २०८३ जेठ २१ गतेसँ २२ गते धरि सामुदायिक, संस्थागत (निजी) तथा धार्मिक विद्यालय सभक पठनपाठन पूर्ण रूपसँ बन्द रहबाक जानकारी करौने अछि।

नगरपालिकाक मिति २०८३ जेठ २० गतेक निर्णयअनुसार ओइ विदा देल गेल जनाओल गेल अछि। बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारीद्वारा जारी सूचनामे विद्यार्थी सभक स्वास्थ्य, सुरक्षा आ हितकेँ ध्यानमे राखैत ई निर्णय कएल गेल उल्लेख अछि।

नगरपालिका अभिभावक सभकेँ सेहो गर्मीक समयमे बालबालिकाकेँ अनावश्यक रूपसँ घरबाहर घुमफिर नइँ करए दए आवश्यक सतर्कता अपनाबऽ लेल आग्रह कएने अछि। बढ़ैत गर्मी आ लूक कारण तराई–मधेसक जिला सभमे जनजीवन प्रभावित बनैत जा रहल अछि तँ स्वास्थ्यकर्मी सभ सेहो पर्याप्त पानि पीबाक, धुपमे बेसी समय धरि नइँ बैसबाक तथा विशेष सावधानी अपनाबऽ लेल सुझाव देने छथि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...

बागमतीसँ ब्राउन सुगरसहित दुई गोटे गिरफ्तार, नगद आ मोबाइल बरामद आज्ञा खबर सर्लाही सर्लाही प्रहरी लागूऔषध ब्राउन सुगरसहित दुई गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अछि। गिरफ्तार होमएबलामे बागमती नगरपालिका–८ निवासी ३० वर्षीय अरुण लामा आ धनुषा जिलाक धनुषाधाम नगरपालिका–७ निवासी ३० वर्षीय सनम लामा छथि। जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वेदप्रसाद गौतमक अनुसार गुप्त सूचनाक आधारमे मङ्गल दिन कएल गेल प्रहरी कारबाहीक क्रममे बागमती नगरपालिका–८ स्थित अरुण लामाक घरमे खानतलासी कएल गेल छल। खानतलासीक क्रममे घरभितर नुकाए-छुपाए राखल अवस्थामे करिब १० ग्राम ब्राउन सुगरजँका देखएबला खैरो पदार्थ बरामद कएल गेल प्रहरी जनेने अछि। संगे भारतीय ९०० रुपैयाँ, नेपाली २३ हजार ७७० रुपैयाँ नगद तथा तीन थान मोबाइल फोन सेहो भेटल छल। अस्थायी प्रहरी पोस्ट सोल्टी बजार आ इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली दुनू गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ थप अनुसन्धान आगाँ बढाओने जनेने अछि। प्रहरीक अनुसार गिरफ्तार भेल दुनू व्यक्तिविरुद्ध लागूऔषध सम्बन्धी कसूरमे जिला अदालदसँ सात दिनक म्याद थपक अनुमति लेल गेल अछि। हाल ओ सभ पर इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवासँ थप अनुसन्धान तथा कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढाओल गेल अछि।