महिला कृषक समूहकेँ पाँड़ वितरण

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
विपन्न दलित आ सीमान्तकृत नागरिककेँ कृषि, पशुपालन जैसन आयआर्जनमूलक गतिविधिसँ जोड़ि कऽ आर्थिक तथा सामाजिक अवस्था सुदृढ बनेबाक उद्देश्यक संग बर्दिवास नगरपालिका वडा नं। ४ आ ५ क महिला कृषक समूहकेँ पाँड़ वितरण कएने अछि। शनिदिन आयोजित कार्यक्रममे नगरपालिका समूहक माध्यमसँ ४३ गोटे महिलाकेँ ४३ टा पाँड़ वितरण कएने अछि। अई अन्तर्गत पञ्चधुरा महिला कृषक समूहकेँ २३ टा आ उन्नति महिला कृषक समूहकेँ २० टा पाँड़ प्रदान कएल गेल नगरपालिका जनौने अछि। पाँड़ वितरण कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत नगर प्र मुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री विपन्न समुदायकेँ आत्मनिर्भर बनेबाक लक्ष्य अनुसार नगरपालिका कृषि तथा पशुपालन क्षेत्रकेँ प्राथमिकतामे राखि कऽ कार्यक्रम सञ्चालन कऽ रहल बतौलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...