पाडा पालनमार्फत महिला आत्मनिर्भरतामे जोड

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिवास

महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका–११ खयरमारा मे ईन्द्रकाली महिला कृषक समूह गठन कएल गेल अछि। विपन्न महिलाकेँ कृषि, पशुपालन तथा विभिन्न आयआर्जनक कार्यक्रममार्फत आत्मनिर्भर बनाबयक उद्देश्यक संग समूह गठन कएल गेल अछि।

समूह गठन कार्यक्रम बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक विशेष योजना, प्रयास आ पहलमे सम्पन्न भेल ईन्द्रकाली महिला कृषक समूहक अध्यक्ष नमिता कुमारी धानुक जानकारी देलनि। समूह गठन कार्यक्रममे बजैत नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे महिलाकेँ उत्पादन आ उद्यमसँ जोडि कऽ आर्थिक रूपमे सक्षम बनाब नगरपालिकाक एखनक प्रमुख लक्ष्य रहल अछि। ओ कृषि आ पशुपालनमार्फत ग्रामीण क्षेत्रक विपन्न महिलाक आयस्तर वृद्धि करैत आत्मनिर्भर बनाबयक अभियानकेँ निरन्तरता देल जाएत उल्लेख कएलनि।

नगरप्रमुख क्षेत्री ग्रामीण क्षेत्रक विपन्न महिला सभक लेल सशक्तीकरणक कार्यक्रमकेँ केवल औपचारिकतामे सीमित नय राखि व्यावहारिक आ परिणाममुखी बनाएल जाएत कहैत समूहमे आबद्ध महिलाकेँ मेहनत आ एकताक संग आगु बढ़बाक आग्रह कएलनि।

हुनका अनुसार समूह प्रारम्भिक चरणमे मान्स उत्पादनकेँ प्राथमिकतामे राखैत पाडा पोषण कार्यक्रम सञ्चालन करबाक लक्ष्य लेने अछि। ज ई अन्तर्गत समूहमे आबद्ध महिलाकेँ व्यावसायिक पशुपालन दिस आकर्षित कऽ आर्थिक रूपमे सशक्त बनाबयक योजना नगरपालिकाक रहल सेहो क्षेत्री जानकारी देलनि।

बर्दिवास नगरपालिका पशु विकास शाखाक पशु अधिकृत मोहन खड्काक अनुसार पाडा पोषण कार्यक्रमक लेल नगरपालिका अपन बजेटसँ समूहक प्रत्येक महिला कृषककेँ प्रति व्यक्ति दू टा धरि पाडा खरिद कऽ उपलब्ध कराओत। संगहि पाडाक एक वर्ष धरिक जीवन बीमा, आवश्यक खोप तथा बेमार भेला पर सम्पूर्ण दबा ई उपचारक व्यवस्था सेहो नगरपालिकाक आर्थिक श्रोतसँ नि:शुल्क करत जनौलनि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...