विद्यालयमे गुनासो सुनुवाई संयन्त्र प्रभावकारी बनाबय लेल बर्दिवासमे अभिमुखीकरण सम्पन्न

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर,

बर्दिवास

बर्दिवास नगरपालिकाभितरक सामुदायिक विद्यालयसभमे गुनासो सुनुवाई संयन्त्रकेँ प्रभावकारी रूपमे कार्यान्वयन करयबाक उद्देश्य सँ अभिमुखीकरण कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि। दलित सेवा समाज तथा कारखानाक सहयोग आ बर्दिवास नगरपालिकाक आयोजनामे कार्यक्रम सम्पन्न भेल ।

बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे बजैत ओ कहलनि जे विद्यालय तहमे पारदर्शिता, जवाफदेहिता आ सुशासन कायम करय लेल गुनासो सुनुवाई संयन्त्र अत्यन्त महत्वपूर्ण होइत अछि। विद्यार्थी, अभिभावक तथा सरोकारवालासभक गुनासोकेँ व्यवस्थित रूपमे सम्बोधन करय लेल एहन कार्यक्रम सकारात्मक भूमिका खेलत कहि ओ विचार व्यक्त कएलनि।

कार्यक्रममे नेपाल सरकारद्वारा गुनासो सुनुवाई व्यवस्थापनक लेल तयार कएल गेल संयन्त्र प्रणालीक बारेमे विस्तृत जानकारी तथा छलफल कएल गेल छल। विद्यालय तहमे गुनासो सुनुवाई सम्बन्धी कार्यप्रणाली प्रभावकारी रूपमे कार्यान्वयन करैत असल नेतृत्व विकास करयबाक विषयमे सेहो जोड देल गेल छल।

अभिमुखीकरणक क्रममे बालअधिकार, बालबालिकाक सूचनामे पहुँच, गुनासोक परिभाषा, गुनासो पेटिका व्यवस्थापन तथा गुनासो करयवला विद्यार्थीकेँ सहयोग आ प्रोत्साहन करयबाक उपायसभक बारेमे सहभागीसभकेँ जानकारी कराओल गेल छल। संगे गुनासो सुनुवाई समितिक गठन, बैठक सञ्चालन, समितिक काम, कर्तव्य आ अधिकार तथा गुनासो व्यवस्थापनक समग्र प्रक्रियाक बारेमे अन्तरक्रियात्मक छलफल भेल आयोजक जनौने अछि।

कार्यक्रम सँ विद्यालयसभमे उत्तरदायी, पारदर्शी तथा बालमैत्री वातावरण निर्माण करैत विद्यार्थीसभक आवाजकेँ संस्थागत रूपमे सम्बोधन करयबाक संस्कृतिक विकासमे टेवा पहुँछत कहि अपेक्षा कएल गेल अछि।

उक्त कार्यक्रममे नगर उपप्रमुख तारादेवी महतो, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी, युवा, खेलकुद तथा शिक्षा शाखाक उपसचिव रेवती पराजुली, शिक्षा अधिकृत रोमन निरौला, वडा अध्यक्षसभ, सामुदायिक विद्यालयक प्रधानाध्यापकसभ तथा सञ्चारकर्मीसभक सहभागिता रहल शिक्षा शाखाक अधिकृत रोमन निरौला जानकारी देलनि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...