आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरीक बर्दिवास स्थित ईलाका प्रहरी कार्यालयमे कार्यरत प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) बिकास बमकेँ मङ्गलदिन एक कार्यक्रमक बीच विदाई तथा सम्मान कएल गेल अछि। बर्दिवास नगरपालिका अपन सभाहलमे विशेष कार्यक्रमक आयोजन करैत हुनका सम्मान कएलक।
डीएसपी बम विगत एक वर्ष सँ ईलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासमे कार्यरत रहैत आबि रहल छलाह। ओ अपन कार्यकालमे बर्दिवास क्षेत्रमे शान्ति सुरक्षा सुदृढ बनाबैत नागरिककेँ अमन चयन कायम करबाक लेल महत्त्वपूर्ण भूमिका खेलने छलाह। एखन ओ प्रहरी प्रधान कार्यालय नक्सालमे विशेष तालिमक लेल सरुवा भऽ जाऽ रहल छथि।

विदाई तथा सम्मान कार्यक्रममे बजैत नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री डीएसपी बमक कार्यकाल प्रशंसनीय रहल बताबैत ओ बर्दिवासमे शान्ति सुरक्षा कायम करबाक लेल प्रभावकारी भूमिका निर्वाह कएल उल्लेख कएलाह। ओ आगाँक दिनमे सेहो आर सफलताक साथ अपन जिम्मेवारी निर्वाह करबामे विश्वास व्यक्त कएलाह।
ओहिना उपप्रमुख तारादेवी महतो बर्दिवासक समाजमे शान्ति सुरक्षा कायम करबाक लेल डीएसपी बमद्वारा खेलल गेल भूमिकाक सराहना करैत हुनकर आगाँक यात्राक सफलताक कामना कएली। प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी सेहो बमक कार्यसम्पादनक प्रशंसा करैत नगर आ प्रहरी बीचक सहकार्यकेँ आर सुदृढ बनाबय पर जोडि देलनि।

कार्यक्रममे डीएसपी बमकेँ खादा आ अबीर लगाकऽ सम्मान कएल गेल छल। विदाई कार्यक्रममे ओ बर्दिवासमे काज करबाक अवसर भेटल पर धन्यवाद व्यक्त करैत एतय केर सहयोग आ आत्मीयता सदिखन याद रहत कहलनि। कार्यक्रममे विभिन्न वडाक अध्यक्षसभ, जनप्रतिनिधि तथा नगरपालिकाक कर्मचारीसभक उपस्थिति रहल छल।





































