मधेशमे लागुऔषध नियन्त्रणक लेल ‘खोजी तथा सुधार महाअभियान’ सुरु

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशमे बढि रहल लागुऔषध समस्याकेँ नियन्त्रण करबाक उद्देश्यसँ प्रहरी प्रशासन एकटा नयाँ रणनीतिक अभियान सुरु कएने अछि। प्रदेश प्रहरी कार्यालय ‘लागुऔषध सेवनकर्ता खोजी तथा सुधार महाअभियान’ नामक कार्यक्रम औपचारिक रूपमे कार्यान्वयनमे अनैत एकरा व्यापक बनेबाक संकेत देल अछि।

शुक रदिन आयोजित विशेष ब्रिफिङमार्फत प्रदेशक आठू जिलाक प्रहरी प्रमुख तथा मातहतक इकाइकेँ निर्देशन दइत प्रहरी नायब महानिरीक्षक गोविन्द थपलिया अभियानक सुरुआत भेल जानकारी गबौलनि। ओ सीमावर्ती क्षेत्रकेँ विशेष प्राथमिकतामे राखैत निगरानी कडा कएल जाएत कहलनि।

अभियानका मुख्य बुँदा सभ:

  • जाँच केन्द्रक स्थापना: प्रमुख सीमा नाकासभमे लागुऔषध परीक्षण केन्द्र स्थापना कएल जाएत।
  • ड्रग टेस्ट किट: ‘ड्रग टेस्ट किट’ क प्रयोग क’ कए व्यक्ति लागुऔषध सेवन कएने अछि वा नै, से पहिचान कएल जाएत।
  • निगरानी प्रणाली: सीमामे नियमित आवतजावत करय वाला युवा सभक विवरण संकलन क’ कए निगरानी प्रणालीकेँ व्यवस्थित बनाएल जाएत।
  • सचेतना प्रशिक्षण: लागुऔषध सेवनकर्ताकेँ सीमा क्षेत्रमे १ घण्टाक अल्पकालीन सचेतनामूलक प्रशिक्षण देल जाएत आ ओकर अभिलेख राखि दीर्घकालीन अनुगमन कएल जाएत।

प्रहरी ई अभियानकेँ केवल नियन्त्रणमे सीमित नराखि सुधार आ पुनर्स्थापनासँ जोड़बक रणनीति लेने अछि। एकरा लेल प्रदेश सरकार, स्थानीय तह तथा विभिन्न संघ-संस्थासँ सहकार्य क’ कए उपचार, सीपमूलक तालिम, खेलकुद तथा रोजगारीक कार्यक्रम सञ्चालन कएल जाएत।

ओतहि, लागुऔषध ओसारपसार आ अवैध कारोबारमे लागल समूह तथा औषधि पसलसभकेँ कडा निगरानीमे राखल जाएत आ दोषी भेटला पर कानुनी कारबाही करबक चेतावनी सेहो देल गेल अछि। प्रदेश प्रहरी कार्यालय ई अभियानसँ सामाजिक स्तरमे सकारात्मक प्रभाव पड़बक विश्वास व्यक्त कएने अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...