बर्दिवासमे निःशुल्क मन्टेश्वरी तालिम सुरु, महिला तथा युवती लाभान्वित होयत

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिवास

विद्यार्थीक सिखैबक प्रक्रियाकेँ आरो प्रभावकारी बनेबाक उद्देश्यसँ महोत्तरीक बर्दिवासमे शुक रदिनसँ निःशुल्क मन्टेश्वरी तालिम सञ्चालनमे आनल गेल अछि। बर्दिवास नगरपालिकाक आयोजना तथा राष्ट्रिय व्यावसायिक प्रशिक्षण केन्द्र, भैँसेपाटी ललितपुरक सहयोगमे सञ्चालन कएल गेल एहि तालिममे नगरभितरक ३५ टा महिला तथा युवती सहभागी छथि।

बर्दिवास नगरपालिकाक रोजगार संयोजक लबकुमार यादवक अनुसार ६५ दिन (३९० घण्टा) अवधिक रहयबला एहि तालिम सहभागीसभकेँ बालमैत्री शिक्षण विधि तथा व्यावहारिक सीपमे दक्ष बनेबाक लक्ष्य राखने अछि।

तालिमकेँ उद्घाटन बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कएलनि। उद्घाटन समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ स्थानीय सरकारक प्राथमिकतामे महिला तथा युवतीकेँ सीपमूलक तालिमक माध्यमसँ आत्मनिर्भर बनेबाक योजना रहल उल्लेख कएलनि। ओ कहलनि जे ओही योजना अनुसार मन्टेश्वरी तालिम सञ्चालन कएल गेल अछि।

एही क्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी तालिमक उद्देश्यक बारेमे प्रष्ट पारैत कहलनि जे बालबालिकामे आत्मविश्वासक विकास, सकारात्मक सोचमे वृद्धि तथा सामाजिक व्यवहारिक मूल्य–मान्यतामे आधारित ज्ञान प्रदान कएब मुख्य तालिमक लक्ष्य अछि। ओ बालबालिकाक सर्वाङ्गीण विकासक लेल मनोरञ्जनात्मक तथा क्रियाकलापमे आधारित शिक्षण विधि प्रभावकारी होयबय कहि उल्लेख कएलनि।

नगरपालिकाक अनुसार तालिमक माध्यमसँ बालबालिकाकेँ प्रारम्भिक शिक्षाक लेल तयार करब, समूहमे काज करबाक बानि विकास करब, पालो कुरब, अपन बात स्पष्ट रूपसँ कहि सकब लगायतक सीप विकासमे जोडि देल जाएत। संगे कक्षाकोठामे प्रयोग होबयबला विभिन्न प्रयोगात्मक सामग्री, बौद्धिक खेल, सिर्जनात्मक गतिविधि तथा आँखा–हाथक समन्वय करयबला अभ्यासमार्फत सिखैबक प्रक्रियाकेँ आरो प्रभावकारी बनाओल जाएत।

एहि तालिमसँ सहभागी महिला तथा युवतीकेँ रोजगारी तथा आत्मनिर्भरताक दिस उन्मुख करेबाक अपेक्षा कएल गेल अछि तहिना नगरपालिका जनौने अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...