बर्दिबासबक किसान सहकारीमे आशाक नव बिहानीक शुरुआत

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिबास

महोत्तरीक बर्दिबास नगरपालिकामे अवस्थित किसान बहुमुखी सहकारी संस्था लिमिटेड—जे करिब २७ वर्ष धरि निष्क्रिय छल—आजु फेर एकबेर स्थानीय कृषकसभक आशा आ सम्भावनाक केन्द्रक रूपमे ठाढ़ होमय लागल अछि। समयक धूरि सँ तोपायल ई सहकारी अखन पुनर्जागरणक यात्रामे अछि, जाहि सँ बर्दिबासक किसानसभमे नव ऊर्जा आ भरोसा जागल अछि।

पुनर्जागरणक शुरुआत

२०३२ सालमे स्थापना भेल ई सहकारी कहियो सशक्त सामूहिक उत्पादन, बजार व्यवस्थापन आ वित्तीय कारोवारक माध्यम बनय के सपना देखल गेल छल। मुदा समयक क्रममे विभिन्न कारण सँ एकर गतिविधि ठप्प भ’ गेल छल। अखन अध्यक्ष भानुभक्त पोखरेलक नेतृत्वमे सहकारी फेर सक्रिय बनैत अछि।

एकर पुनर्जागरणक मुख्य चालक नगरपालिका स्वयं बनल अछि। नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री सहकारीके आवश्यक सामग्री—विशेष क’ दूध संकलनक लेल क्यान—हस्तान्तरण करैत एकर संरचनागत मजबूतीमे सहयोग कयने छथि। एतेक मात्र नहि, नगरपालिका ५ लाख रुपैयाँ बराबरक शेयर सदस्यता ल’ क’ सहकारी प्रति अपन दीर्घकालीन प्रतिबद्धता सेहो देखेने अछि।

किसानक लेल नव बाट

सहकारी अखन मुख्य दुई क्षेत्रमे केन्द्रित अछि—दूध उत्पादन तथा संकलनबेसार (हर्दी) खेती। एतय अखन दैनिक करिब २०० लिटर दूध संकलन भ’ रहल अछि, जाहिमे आगामी दिनमे १५०० लिटर धरि पुगाबय कऽ लक्ष्य राखल गेल अछि।

ई सहकारी किसानके मात्र उत्पादनमे सीमित नहि राखि बजार सँ जोड़य कऽ काज सेहो कय रहल अछि। प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणी अधिकारीक अनुसार, अब दूध संकलनमे बिचौलियाक भूमिका खतम क’ क’ सहकारीक माध्यम सँ प्रत्यक्ष संकलन आ वितरणक व्यवस्था कएल गेल अछि। एकरा सँ किसानके उचित मूल्य भेटतय से अपेक्षा कएल गेल अछि।

बेसार खेती: सम्भावनाक नव क्षेत्र

बर्दिबासमे बेसार खेतीके व्यावसायिक रूप दय कऽ लक्ष्यक साथ सहकारी ई वर्ष ७ बिघामे खेती सुरु करय कऽ तैयारी अन्तिम चरणमे पुगाबने अछि आ थप २५ बिघा जग्गामे विस्तार करय कऽ योजना अछि। किसानके आकर्षित करय लेल प्रति कट्ठा २ हजार रुपैयाँक दर सँ बिना ब्याजक ऋण उपलब्ध कराएल गेल अछि।

नगरप्रमुख क्षेत्री सहकारीक माध्यम सँ कएल जाय वाला बेसार खेतीमे ५० प्रतिशत अनुदान दय कऽ घोषणा करैत स्थानीय उत्पादनके बजार धरि पुगाबय कऽ जिम्मा नगरपालिका लेतय से स्पष्ट कयलनि।

अर्गानिक उत्पादन आ बजार

कार्यक्रममे होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासंघ महोत्तरीक अध्यक्ष गुन्जबहादुर कार्की सहकारीक माध्यम सँ अर्गानिक कृषि उत्पादनके अभियानक रूपमे आगू बढ़ाबय पर जोर देलनि। हुनका अनुसार स्थानीय उत्पादनक बजारीकरणमे सहकारी एकटा पुलक (सेतु) काम कऽ सकैत अछि।

पूर्वाधार आ दीर्घकालीन सोच

नगरपालिका कृषि उत्पादनके सहजरूपमे बजार धरि पुगाबय लेल ४० किलोमिटर सडक आ ग्रामीण क्षेत्रमे दू टा पुल निर्माण कऽ लेल गेल जानकारी देने अछि। एहन पूर्वाधार विकास सँ उत्पादन सँ बजार धरि कऽ दूरी कम होयत।

आशाक नव कथा

किसान बहुमुखी सहकारीक पुनः सक्रियता मात्र एकटा संस्थाक पुनर्जीवन नहि अछि, ई सामूहिक प्रयास, स्थानीय सरकारक साथ आ किसानक मेहनत सँ बनल एकटा नव कथा अछि।

सामूहिक लगानी सहकार्य सँ मात्र किसानक समृद्धि सम्भव अछि,” मेयर क्षेत्रीक ई गप्प अखन बर्दिबासक खेत-खलिहानमे व्यावहारिक रूप लय लागल अछि। लम्बा समयक चुपचाप तोडैत पुनः सक्रिय भेल सहकारी अब स्थानीय किसानसभके एउटै सन्देश दऽ रहल अछि—अब उत्पादन मात्र नहि, उचित मूल्य आ सम्मानजनक आमदनी सेहो सम्भव अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...