सर्लाहीक भरत ताल लगेमे मानव कङ्काल भेटल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

हरिवन

सर्लाहीक ‘भरत ताल’ (बागमती मछली पोखरी) क कातमे एकटा मानव कङ्काल भेटल अछि।

बागमती नगरपालिका-१२ स्थित भरत ताल सँ उत्तर दिस पत्थर आ गिट्टी राखल ठाममे कङ्काल बनि गेल अवस्थामे शव भेटल इलाका प्रहरी कार्यालय हरिवन जनौने अछि। मङ्गल दिन दुपहरियामे स्थानीय घास काटय बला सभ ओहि ठाम मानव कङ्काल देखला क बाद प्रहरीके खबर कयने छलाह।

प्रहरीक अनुसार, टाउको अलग भेल आ शरीर सेहो पूर्ण रूप सँ क्षत-विक्षत अवस्थामे शव भेटल अछि। मृतकक कपडा देखला सँ ओ पुरुष कऽ शव भऽ सकैत अछि एहन अनुमान कएल गेल अछि।

शवक पोष्टमार्टम कऽ लेल मङ्गल दिन साँझमे सदरमुकाम मलङ्गवास्थित प्रादेशिक अस्पताल पठाएल गेल प्रहरी जनौने अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...