कांग्रेसक सभापती गगन थापा सर्लाही आरहल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

सर्ला ही

नेपाली कांग्रेसक सभापती गगन कुमार थापा आगामी बुध दिन सर्लाही आबयबला कार्यक्रम तय भेल अछि। पार्टीद्वारा देशभर सञ्चालित जरा अभियान अन्तर्गत सर्लाही–४ क मतदातासभके धन्यवाद ज्ञापन करबाक लेल हुनकर ई भ्रमण भ’ रहल अछि।

नेपाली कांग्रेस क्षेत्र नम्बर ४ क क्षेत्रीय समितिक अनुसार, सर्लाहीक धनकौल बजारमे आयोजित विशेष कार्यक्रममे थापा मुख्य अतिथिक रूपमे सहभागी होयताह। ओहि कार्यक्रममे निर्वाचन क्षेत्रक मतदाताप्रति कृतज्ञता प्रकट करैत पार्टी सुदृढीकरणक विषयमे सेहो छलफल होयत।

गत फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे सर्लाही–४ सँ पराजित भेलाक बाद थापा पहिल बेर ओहि क्षेत्रमे आबय जा रहल छथि। एहि सँ पहिने सेहो मतदातासभ सँ भेट करबाक योजना बनल छल, मुदा पार्टीक केन्द्रीय जिम्मेवारी आ व्यस्त कार्यतालिकाक कारणे भ्रमण स्थगित होइत आबि रहल छल।

कांग्रेसक सभापती गगन थापाके ई भ्रमणके स्थानीय स्तरमे संगठन मजबुती आ कार्यकर्तासभ सँ प्रत्यक्ष संवादक एकटा पैघ अवसरक रूपमे देखल जा रहल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...