गौर में छुरी प्रहार के बाद किशोरक मृत्यु, एक गिरफ्तार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
रौतहट
रौतहटक गौर नगरपालिका–५ में बुधदिन दिवामे भेल छुरी प्रहारक घटनामें एक किशोरक मृत्यु भऽ गेल।

पुलिसक अनुसार यमुनामाई गाउँपालिका–५ झुन्खुनुवाक १७ वर्षीय मोहम्मद सहाबुद्दिन केँ गौर–३ भण्टाघर बसऽ वला २० वर्षीय सनोज राम हमला कयने छल। गौरिशंकर क्याम्पस क नजिक झुलुङ्गे पुलक लग भऽ रहल एहि घटनामें सहाबुद्दिनक पेट, माथ, छाती आ पाँएर में गहिर चोट लागल छल।

गंभीर घायिल सहाबुद्दिन केँ तुरंत पुलिसक माध्यम सँ प्रादेशिक अस्पताल गौर पहुँचाओल गेल, मुदा उपचारक क्रम में उनकर मृत्यु भऽ गेल, पुलिस निरीक्षक रुद्र कडेल जानकारी देलईन।

घटना के बाद आरोपी राम केँ पुलिस पकडÞिकय जांच शुरू कयने अछि। संगहि, घटनास्थलमे प्रयोग भेल छुरी, गाँजा आ वाटर गन सेहो पुलिस बरामद कैल गेल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...