आज्ञा खबर
सिन्धुली
सिन्धुलीक दुधौली क्षेत्र मे हालकाल बढ़ैत नशा कारोबार सऽ समुदाय मे चिन्ता बढ रहल अछि। एहि बीच, नेपाली काँग्रेसक भ्रातृ संगठन नेपाल विद्यार्थी संघ (नेविसंघ)क एक स्थानीय नेता पक्राउ भेल छथि। एहि घटनासँ राजनीतिक आवरण मे होइत अपराध आ युवा नेता केँ संलग्नता पर गंभीर प्रश्न उठल अछि।
गत स्ववियु निर्वाचन मे दुधौलीस्थित कमला बहुमुखी क्याम्पस सँ नेविसंघक तर्फ सऽ सभापति पदक उम्मेदवार रहल सुशील कपड़ी केँ पुलिस अवैध नशा ओसार–पसार करैत समय नियन्त्रण मे लेने अछि। हुनक संगहि उदयपुर कटारी नगरपालिका–३ निवासी मनोज कार्की सेहो पक्राउ भेल छथि।
जिल्ला पुलिस कार्यालय सिन्धुलीक प्रवक्ता, पुलिस उपनिरीक्षक सूर्यप्रकाश सुवेदीक अनुसार, सोमबार सुबह पुलिस चौकी दुधौलीक नेतृत्व मे खटायलगेल टोली कपड़ीक घर पर छापा माईरक १३ बोतल प्रतिबंधित औषधि ‘ओनिरेक्स’ बरामद केने छथि पक्राउ भेला दुनू व्यक्ति केँ आगूक जाँच लेल इलाका पुलिस कार्यालय डकाहा मे राखल गेल अछि।
पछिल्ला तथ्यांक अनुसार, दुधौली आ आसपासक क्षेत्र नशा ओसार–पसारक ‘ट्रान्जिट’ केन्द्रक रूप मे प्रयोग भ’ रहल अछि। पुलिस स्रोत कहलन्हि, “एहि कारण निगरानी बढ़ाओल गेल छल आ तहिना कपड़ी आ कार्की केँ पक्राउ कएल गेल।”
विद्यार्थी नेता स्वयं नशा कारोबार मे संलग्न भेल खबर सँ न केवल स्थानीय समुदाय मे, बल्कि राजनीतिक दल मे सेहो चर्चा आ चिन्ता उत्पन्न भेल अछि। एहि घटनासँ युवा नेता मे नैतिक शिक्षा आ संगठनक निगरानी पर ध्यान देबाक आवश्यकता देखायल अछि, विश्लेषक लोकनि कहलन्हि।
पुलिस कपड़ी आ कार्की पर नशा नियन्त्रण ऐनक अनुसार मामला दर्ता करबाक तैयारी मे अछि। एहि घटनासँ सिन्धुली जिलामे अवैध नशा कारोबार रोकबा लेल कड़ा कदम उठेबाक आवश्यकता आओर मजबूत भेल अछि।





































