गौर काण्ड छानबिनक परमादेशक बाद जसपा कार्यकर्ता सभक प्रदर्शन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

सर्वोच्च अदालत १९ वर्ष पहिने रौतहटक गौरमे भेल हत्या काण्डक छानबिन लेल परमादेश जारी कएनाई संगहि जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक नेता–कार्यकर्ता सभ सोमबार साँझ जनकपुर आ मधेशक विभिन्न जिलामे प्रदर्शन कएलक।

जनकपुरधामक रामानन्द चौकमे कार्यकर्ता सभ सड़क अवरुद्ध कएल टायर जलबैत सरकारक विरुद्ध नाराबाजी कएलक। ओ सभ ‘उपेन्द्र यादव पर भेल षड्यन्त्रक अन्त करी’ आ ‘षड्यन्त्रकारी सावधान’ जेकाँ नारा लगेलक।

मधेश प्रदेशसभा मे जसपा प्रमुख सचेतक राम आशिष यादव परमादेश फिर्ता नै लेल जाए तँ कठोर आन्दोलन मे उतरबाक चेतावनी देलखिन। ओ कांग्रेस–एमाले गठबन्धन द्वारा पहिचानक राजनीति करबाक शक्ति कमजोर बनेबाक योजना बनाओल जा रहलाक आरोप लगईलक।

तेकरा संगहि, जसपा धनुषाक अध्यक्ष पशुपति यादव भूमि अध्यादेश पारित नै भेलाक कारण अध्यक्ष उपेन्द्र यादवक विरुद्ध षड्यन्त्र भेलाक दावा कएलखिन। सर्वोच्चक आदेश अबैतहि पार्टी प्रतीकात्मक विरोध कार्यक्रम शुरू कएलक आ जल्दी आरो आंदोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक करबाक घोषणा कएलक।

सर्वोच्च अदालत सोमबार गौर घटनामे संलग्न दोषी सभक जांच करबाक आ कारबाही करबाक सरकारक निर्देशन देने रह।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...