आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलाक हरिपुरवा नगरपालिका–६ मे सावन ३० गते राईत भेल गोलीकाण्डमे एक गोटाक जान गेल अछि। घटनामे संलग्न अभियुक्त धिरेन्द्र राय उर्फ धर्मेन्द्र रायकेँ पुलिस गिरफ्तार कयलक अछि।
पुलिसक अनुसार ४० वर्षीय रामपुकार यादव अपन घरक अगनामे बईसल छलाह, राति ८ बजकर २० मिनटक समय मे मोटरसाइकल सँ एलै दुई गोटे आक्रमण कयलनि। बीआर ३० एजी २३५४ नम्बरक मोटरसाइकल धर्मेन्द्र चलौने छलाह आ पछिला सिट पर बईसल व्यक्तिकेँ पिस्तौल निकाईलक यादवक माथापर गोली चलौलक।
गोली लागि गम्भीर रूप सँ घायेल भेल रामपुकारकेँ तत्काकक महोत्तरी जिलाक सम्सी गामपालिका–पर्सास्थित जानकी हेल्थकेयर लऽ गेल छल। मुदा उपचारक क्रममे चिकित्सक हुनका मृत घोषणा कएलन।
गोली प्रहारक बाद भागैत रहला धर्मेन्द्र आ हुनक साथी चढल मोटरसाइकल हरिपुरवा–७ बसन्तपुर–बांके–संग्रामपुर सडक खण्ड पर दुर्घटनाग्रस्त भऽ गेल। दुर्घटनाक बाद मोटरसाइकलक पछिला सिट पर बईसल शूटर फरार भऽ गेल आ धर्मेन्द्र घायेल अवस्था मे पुलिसक पकड़मे आय गेल। हुनका उपचारक लेल लालबन्दी मोडेल अस्पताल होईत प्रादेशिक अस्पताल जनकपुर लऽ जायल गेल। सावन ३१ गते डिस्चार्ज हेबाक संगै पुलिस हिनका हिरासतमे लऽ लेलक।
प्रारम्भिक अनुसंधानमे धर्मेन्द्र स्वीकार कएलनि जे रामपुकारक बेटा सुमित राय यादव सँ व्यक्तिगत विवादक कारण आक्रमण कएलन। पुलिसक आगू अनुसंधानक क्रममे मलंगवा–९ मे लऽने उनका डेरासँ एकटा नलकटुवा पिस्तौल आ फायर भेल गोलीक खोका बरामद भेल।
यही तरहें, पुलिस अनुसंधानक क्रममे धर्मेन्द्रक पुरान आपराधिक घटनासभ सेहो उजागर कएलन। गत वर्ष असोज १० गते रातिकेँ धर्मेन्द्र अपन घरमे अपन पत्नी चित्रलेखा कुमारी यादव आ पिता रामदिनेश राय पर गोली चलौने छलाह। ओहि घटनामे पत्नी चित्रलेखाक घटनास्थलपर मृत्यु भऽ गेल छल आ पिता रामदिनेश गम्भीर रूप सँ घायेल भेल छलाह। ततसमयकें बाद बापक द्वारा धर्मेन्द्रविरुद्ध जिल्ला पुलिस कार्यालय सर्लाहीमे कर्तव्यज्यान आ हत्या प्रयासक उज्रु दर्ता भेल छल। मुदा धर्मेन्द्र ओहि समय सँ फरार छलाह।
पुलिस वर्तमान रामपुकार हत्या प्रकरण संगहि पुरान उज्रुक एक्के संग अनुसंधान आगू बढ़बयबाक जानकारी देलक अछि। संगहि धर्मेन्द्रक संग मोटरसाइकल पर रहिकऽ गोली प्रहार करऽवाला फरार अभियुक्तक खोजीकार्य जारी रहलाक बात सेहो पुलिस कहलनि।





































