पत्रकार पर हमला करैवला वकील पर कारबाई के माँग करैत जनकपुरधाममे धरना

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

पत्रकार पर हमला मे संलग्न वकीलसभ केँ गिरफतार कय केँ कानूनी कारबाई करबाक माँग करैत पत्रकारसभ आइतबार जनकपुरधाममे विरोध कार्यक्रम करलथिन।

नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखा के, अगुआईमे पत्रकारसभ जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा आगाँ ११ बजे सँ १२ बजेधएर धरनामे बैसलाह। “आक्रमणकारी पर कारबाई करू”, “पत्रकार केँ सुरक्षा दिऔ”, “प्रेस स्वतन्त्रता केँ रक्षा करू” जेहेन नारा लिखल प्लेकार्ड सहित ओसभ प्रशासन बिरुद्ध आवाज उठेलह।

धरनाक प्रति स्थानीय प्रशासन कोनो चासो नई देखेबाक आरोप लगबैत पत्रकारसभ “स्थानीय प्रशासन मुर्दाबाद”, “वकील केँ दादागीरी बन्द करू”, “कानून केँ पालन करू” जेहेन नारा लगेलाह।

गेल साउन २७ गते गुठी संस्थान सँ लीजमे लेल गेल चार कठ्ठा जमीन केँ सुरक्षित करबाक क्रममे नेपाल बार एशोसिएशन जनकपुरधाम के पदाधिकारी सहित किछु वकीलसभ पत्रकार पर हमला केने रहथिन। ओहि घटनामे महासंघ प्रदेश अध्यक्ष श्याम बञ्जारा, उपाध्यक्ष ज्योति झा, महासचिव शैलेन्द्र महतो ‘क्रान्ति’, पत्रकार दिवाकर राय, विनिता यादव आ अनिल निराला घायल भेल रहलथिन।

साउन २८ गते पाँच गोट वकील विरुद्ध किटानी जाहेरी देल गेल रहला, मुदा एखन धरि पुलिस गिरफतार नई कैलक, जेकर कारण सँ पत्रकारसभ आन्दोलित भेलह। महासंघ पहिने सेहो बारम्बार दोषी पर कारबाई करबाक माँग करैत रहल अछि।

गुठी संस्थान सँ वार्षिक तीन लाख एक हजार टका तिरक शर्तमे पत्रकार महासंघ मधेश प्रदेश समिति ओहि जमीन केँ भवन निर्माण लेल लीजमे लेने छल। मुदा नेपाल बार एशोसिएशन जनकपुरधाम ओहि जमीन केँ अवैध रूप सँ कब्जा करबाक कोसिस केलक कारण विवाद उत्पन्न भेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...