घर संसारक नबक अभियानः सरप्राइज शुभकामना, नवक पहिचान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नं॰ १क घरमे बसैबला बर्दिवासवासीक चिरपरीचित अनुहार अमिस कुमार रिसाल अपन ४० मा जन्मदिनक खुशी साटय लेल बर्दिवास स्थित यू एण्ड मी बर्गर हाउसमे बैसल छलाह। १०–१२ गोट मित्रसभ एकत्रित भ चुकल छल आ किछु आउनायाक तयारीमे छलाह, एक्कासे घर संसार डिपार्टमेंट स्टोर बर्दिवासक ४–५ गोट कर्मचारी केक, फूलक गुच्छा, आ खदामाला लए जन्मदिन मनाबय लेल पहुँचलाह, तँ ओ किछु क्षण लेल अलमलाय गेलाह। घर संसारक टीम केक काटि, माला आ गुच्छासँ स्वागत कए जन्मदिन मनौलक बाद ओ प्रतिक्रिया देलनि — “आइ ४०म जन्मदिन मनायलौं, मुदा एतय धरि कहियो केओ एहि तरहेँ नहि कयल, मुदा आइ जेना सरप्राइज रूपमे जन्मदिन मनाबय लेल घर संसारक टीम अएल, ई नवा प्रयास नीक लागल।”

एहि सूचना–प्रविधिक युगमे अपन व्यापार–व्यवसाय केँ समयसापेक्ष बनबय सँहेतै व्यवसायमे टिकि सकबाक गप घर संसार डिपार्टमेंट स्टोर बर्दिवासक सञ्चालक मन्दीप गिरि कहलनि। जिनकर जन्मदिन वा विवाहक वर्षगाँठ मनाबय हो, हुनकर मित्र–भाइ वा आत्मीयसभ पहिले सँ जानकारी दिऐत, त ओहि अनुसार हमसभ तयारी कए सम्बन्धितक शुभकामना कार्यक्रममे सहभागी होइत छी आ सहयोग करैत छी, गिरि कहलनि।

आफँ केँ आनसँ अलग देखाबय आ सेवा केँ विशेष बनाबय लेल एहन नवा सोच आ योजना लए कोनोके जन्मदिन केँ खास बनाबय घर संसारक योजना अत्यन्त प्रशंसनीय अछि, ई बर्दिवास उद्योग वाणिज्य संघ बर्दिवासक सचिव शैलेश दहल कहलनि। घर संसार डिपार्टमेंट स्टोर बर्दिवास ई योजना बर्दिवास नगरपालिका आ आसपास जिलासभमे किछु मास पहिले सँ शुरू कयने अछि, जानकारसभक कहलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...