आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास नगरपालिका नगरस्तरीय हाजिरी–जवाब प्रतियोगिता आयोजन करबाक निर्णय लेने अछि। नगरपालिकाक शिक्षा, युवा आ खेलकुद शाखा सोमबार सूचना जारी कए कहलनि जे आगामि सावन ३० गते शुक्रदिन पूर्वाह्न ११ बजे सँ बर्दिवास–१ स्थित श्री देराली माध्यमिक विद्यालयमे प्रतियोगिता संचालन होएत।
प्रतियोगितामे बर्दिवास नगरपालिका अन्तर्गत माध्यमिक स्तर पर संचालन होइत सभ सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालयक अनिवार्य सहभागिता रहत। यि सूचना प्रकाशित होएबाक तिथि सँ तीन दिनक भीतर विद्यालयसभक नाम शिक्षा, युवा आ खेलकुद शाखामे दर्ज कराबऽ पड़त।
विद्यालयसभ सहभागी विद्यार्थीसभक नाम पठाएबाक समयमे कम सँ कम एक गोट छात्रा अनिवार्य राखैत तीन गोट प्रतियोगी पठाए पड़त, ई बात शाखाक अधिकृत गणेश प्रसाद दहाल जनौलनि।
नगरपालिकाक विश्वास अछि जे हाजिरी–जवाब प्रतियोगितासँ विद्यार्थीसभक बौद्धिक क्षमता, सामान्य ज्ञान आ प्रतिस्पर्धात्मक भावना मे वृद्धि होएत।






































