सर्लाहीमे आदिवासी जनजाति महासंघक नव नेतृत्व चयन

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही
आदिवासी जनजाति महासंघ, सर्लाहीक जिला कार्य समिति नव नेतृत्वसंग पुनर्गठन कएल गेल अछि। हरिवन नगरपालिका–९ घुर्कौलीस्थित आदिवासी जनजाति भवनमे आज सम्पन्न छैठम जिला अधिवेशनमे मानवीर माझीक अध्यक्षतामे नवकार्य समिति सर्वसम्मति सँ चयन कएल गेल अछि।
निर्वाचित समितिमे उपाध्यक्ष दीपक भुजेल, सचिव कौशिल्या लुंगेली, सह–सचिव सत्य बोट आ कोषाध्यक्ष ज्ञानु गुरुङ छथि। ओहिना, सदस्यक रूपमे कमल चौधरी चयन भेल छथि। महासंघसँ आबद्ध १६ टा जातीय संगठन सँ बादमे एक–एक गोटा सदस्य मनोनयन कय १६ सदस्यीय संरचना पूर्ण होयबाक बात कहल गेल अछि।
अधिवेशनक संगहि महासंघक साधारण सभा सम्पन्न कैल गेल आ ३१ मई मे विश्व आदिवासी जनजाति दिवस सेहो एके दिन मनाओल गेल। कार्यक्रममे मधेश प्रदेश सभाक सांसद बेची लुंगेली मुख्य अतिथि रहल छथि।
निवर्तमान अध्यक्ष एकबहादुर गुरुङक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे सुरेन्द्र लामा, नारायण खपाङ्गी, लेखराम जर्गा, हीराकाजी योन्जन, इन्द्र योन्जन, छत्र डुमजन, तेजनारायण आले आदिक उपस्थिति रहल।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...