बाढ़ि सं विस्थापित सदा परिवार घुरि अेलाह, स्थानीयक सहयोग सं टरि गेल संकट

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
त्रियुगा, उदयपुर

लगातार वर्षा आ बाढ़िक खतिर तीन दिन धरि अस्थायी ठाम रहए पड़ल त्रियुगा नगरपालिका–१३ लक्ष्मीपुर पोर्ताहक सदा (मुसहर) समुदायक तीन गो परिवार अन्ततः अपन घर वापिस घुरि अएलाह।

गेल आइतवार राति लगभग १४ घण्टा तक अबिरल वर्षा भेलाक बाद आयल बाढ़ि आ जमीन कटान सs सदा समुदायक ओहि तीन टा घरक स्थिति पर संकट आबि गेल छल। स्थिति गंभीर भेला पर वार्ड कार्यालय आ स्थानीय पुलिसक सहयोग सं हुनका सभ केँ नजिकक लोकक घर में सुरक्षीत राखल गेल।

“वर्षा नहि रुकलाक कारण मध्य रातिमे हुनका सभ केँ सुरक्षित स्थान पर सारए पड़ल,” वार्ड अध्यक्ष नवीन चौधरी जनौलनि। हुनकर अनुसार ओहि तीन टा परिवार में बच्चा-बूढ़ सहित कुल १३ गोटे छलाह।

वर्षा कम भेला सं मंगलदिन सs ओ परिवार सभ धीरे-धीरे अपन घर दिस लौटए लगलाह। तथापि, जमीन कटानक खतरा एखनहु बनल अछि आ आगामी वर्षा लेल दीर्घकालीन समाधान जरूरी अछि, चौधरी कहला।

स्थानीय लोक आ वार्डक तत्कालन पहल सं जान बचा लेल गेल, मुदा सदा समुदायक ई परिवार सभक घर एखनहु पूर्ण रूप सं सुरक्षित स्थिति में नै अछि। “माटिक जमीन भासि गेल अछि, फेर एक बेर पैघ वर्षा भेल त स्थिति फेर सं बिगड़ि सकैत अछि,” एक स्थानीय बासिन्दा कहलनि।

सरकार आ स्थानीय निकायक लग सं प्रभावित परिवार सभक सुरक्षित बसोबास सुनिश्चित करबाक लेल दीर्घकालीन योजना बनेबाक माँग उठि रहल अछि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...