आज्ञा खबर
खोटाङ
हलेसी महादेवक दर्शन कऽ क’ वापस आबि रहल तीर्थयात्री सबहक सवार माइक्रोबस सोमबार भोरुक्कै खोटाङ जिला कऽ हलेसी तुवाचुङ नगरपालिका–१, बाहुनीडाँड़ास्थित दौंते खोलाक कातमे दुर्घटनाग्रस्त भऽ गेल।
सिराहाक नराहा नगरपालिका–५ सँ हलेसी दर्शन कऽ क’ घुरि रहल प्रदेश २–०१००१ ज। ००५३ नंबरक माइक्रोबस अनियंत्रित भऽ क’ सड़क सँ पल्टी गेल, ई जानकारी खोटाङ जिला प्रहरी कार्यालय देने अछि।
दुर्घटनाक समय गाड़ीमे चालक सहित कुल १६ गोटे सवार छलाह। प्रहरी निरीक्षक आ सूचना अधिकारी सुशान्त मिश्रक अनुसार, एक गोटे यात्री गाड़ी सऽ च्यापि कऽ गम्भीर रूप सऽ घायल भऽ गेलाह, आ दोसर १३ गोटे आरो घायल भेलाह। गम्भीर रूप सऽ घायल यात्री केँ उद्धार कऽ एम्बुलेन्स सऽ उदयपुर जिलाक नजदीकी घुर्मी प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र भेजल गेल अछि।
घटनास्थल पर स्थानीय लोकनिक सहयोग आ सुरक्षाकर्मी सभक प्रयास सऽ बचाव कार्य कएल गेल। दुर्घटनाक कारण की छल, से लऽ कऽ अनुसन्धान जारी अछि।
घायल सबहक पूरा विवरण आ पहिचान एखन धरि सार्वजनिक नहि भेल अछि।





































