आज्ञा खबर
सर्लाही
पूर्वप्रधानमंत्री आ नेकपा (एकीकृत समाजवादी) के अध्यक्ष माधवकुमार नेपाल कहलनि जे मधेशक जल संकटक समाधान लेल चुरे क्षेत्रमे पानि संचे आ भंडारण पर प्राथमिकता देब आवश्यक अछि।
ओ सर्लाही जिलाक लालबन्दी नगरपालिका–१५ स्थित परवानीपुर बोहोरेडाँड़ामे आयोजित मधेश प्रदेश स्तरीय पुष्पलाल स्मृति भवन उद्घाटन समारोहमे शनिके दिन संबोधित करैत कहलनि, “बर्खामे अनावश्यक रूप सँ बगि जाइबला पानि के अगर चुरेमे रोकि सकल जाइत, त आब जेकाँ सुखाड़ आ सिचाईं केर समस्या नहि होइत। सरकार केँ आब एहन विषय सभ केँ प्राथमिकता दऽ क’ गंभीर योजनासँ आगू बढ़बाक जरूरत अछि।”
नेपाल अपन शनिके दिन विराटनगर सँ उदयपुर, सिन्धुली होते महोत्तरी आ सर्लाही धरि के यात्रा अनुभव साझा करैत कहलनि जे मधेशमे भेल वर्षासँ किछु राहत तऽ भेटल अछि, मुदा दीर्घकालीन समाधान लेल तत्काल योजना बनौनाई अनिवार्य अछि।
ओ सुझाव देलनि जे चुरे क्षेत्रमे पोखरि बनाक’ भूमिगत जल पुनर्भरण (वाटर रिचार्ज) प्रणाली स्थापना कएल जा सकैत अछि। ओ प्रधानमंत्री रहैत काल जे ‘राष्ट्रपति चुरे संरक्षण योजना’ ल’ क’ आगाँ बढ़ने छलाह, ओ योजना आइ धरि सार्थक रूपमे कार्यान्वयन नहि भ’ सकल, एहि बात पर चिन्ता सेहो प्रकट केलनि।
नेपाल कहलनि, “हम सभ सप्तकोशी केर पानि केँ सप्तरी, सिरहा, धनुषा, महोत्तरी होइत सर्लाही केर बागमती धरि ल’ आबि सिचाईं केर दायरा बढ़ेबाक सपना देखने रही, मुदा ओ योजना आगाँ नहि बढ़ि सकल।”
ओ कहलनि जे आबो केवल १५ प्रतिशत सप्तकोशीक पानि डाइभर्ट भ’ सिचाईंमे प्रयोग भ’ रहल अछि।
पुष्पलाल स्मृति भवन उद्घाटन करैत नेपाल कहलनि जे राष्ट्रीय राजनीति मे योगदान देनिहार नेता सभ आ मधेशमे किसान आंदोलनमे शहीद भेल लोक सभक शालिक निर्माण कएल जाए।
“गणेशमान सिंह, गिरिजाप्रसाद कोइराला, कृष्णप्रसाद भट्टराई, तुल्सीलाल अमात्य, निर्मल लामा सन नेता सभक शालिक अगर एतऽ बनाओल जाए तऽ ओ राष्ट्रीय एकता आ इतिहासप्रति सम्मानक प्रतीक होएत,” ओ कहलनि।
शनि दिन नेपाल हरिपुर नगरपालिका–७, चिताइनमे बनल पक्का छठ घाटक उद्घाटन सेहो केलनि। ओ घाट आ स्मृति भवन दुनू मधेश प्रदेशक प्रदेशसभा सदस्य बेची लुङ्गेली केर निर्वाचन क्षेत्र अंतर्गत पूर्वाधार विकास कार्यक्रमक बजटसँ बनाओल गेल अछि।
नेपाल केर शनिके दौरा जलस्रोत व्यवस्थापन, शहीद आ नेतासभक सम्मान आ धार्मिक–सांस्कृतिक संरचनाक विकास पर केन्द्रित देखायल। ओकरे संग ओकरे संबोधनमे चुरे आ सप्तकोशी सँ जुड़ल समन्वयक खाका सेहो स्पष्ट देखायल।





































