बागमती कांग्रेस संसदीय दलक नेतृत्वमे फेरबदल, इन्द्र बानियाँ विजयी

आज्ञा खबर
काठमाडौं

बागमती प्रदेशमे नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेतृत्वमे फेरबदल भेल अछि। बुधदिन सम्पन्न मतदानमे मुख्यमन्त्री समेत रहल बहादुरसिंह लामाके हरबैत इन्द्र बानियाँ दलक नव नेता चुनल गेलाह।

प्रतिस्पर्धा, पराजय आ पुनरागमन

  • संसदीय दलक नेताक लेल भेल आन्तरिक प्रतिस्पर्धामे बानियाँ २२ मत प्राप्त केलनि।

  • वर्तमान मुख्यमन्त्री लामा मात्र १४ मतमे सिमित रहि गेलाह।

  • १ वोट बदर घोषित भेल।

  • बानियाँ ८ मतक स्पष्ट अन्तरसँ लामा पर विजय प्राप्त केलनि।

पुरान हार, आबक जित

ई दूनू नेताक बीच दोसर बेर प्रतिस्पर्धा भेल अछि।
२०७९ साल पुस १३ गते भेल पहिलका प्रतिस्पर्धामे लामा २१ मत पाबि विजय भेल छलाह, जतए बानियाँ १६ मतमे सिमित रहि गेल छलाह।
लगभग दुइ वर्षक बाद बानियाँ दलक भीतर बहुमत संगठित करैत ओहि पुरान प्रतिस्पर्धीके पछाड़ि देलनि।

राजनीतिक संकेत

बानियाँक जीत प्रदेशक नेतृत्व संरचनामे नव समीकरणक संकेत दैत अछि।
मुख्यमन्त्री स्वयं संसदीय दलक नेतासँ हटय पड़लाक बाद आब कांग्रेसक भीतर शक्ति सन्तुलन केना आगाँ बढ़त, से विषयमे उत्सुकता देखाइत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...