बलात्कार आरोपमे पूर्वप्रदेश प्रमुख राजेश झा जेलमे, पीड़ित महिला परो सेहो प्रत्यारोप

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काठमांडू

मधेश प्रदेशक पूर्वप्रदेश प्रमुख राजेश झा ‘अहिराज’ केँ बलात्कारक आरोपमे पुर्पक्ष लेल थुनामे पठाओल गेल अछि। काठमांडू जिल्ला अदालतक न्यायाधीश पिताम्बर शर्माक इजलास आज हुनका विरुद्ध दायर भेल मुद्दामे थुनामे पठेबाक आदेश देने अछि।

झा केँ गत साउन ४ गते गिरफ्तार कएल गेल छल। एक महिलाक बलात्कारक आरोपमे जाहेरी दएला उपरांत महानगरीय प्रहरी परिसर काठमांडू द्वारा अनुसन्धान अगाडि बढ़ाओल गेल छल। अनुसन्धानपश्चात संकलित प्रमाणक आधार पर जिल्ला सरकारी वकिल कार्यालय द्वारा अदालतमे अभियोगपत्र दायर कएल गेल।

लेकिन ई घटनाक एकटा नव मोड़ आबि गेल अछि। पूर्वप्रदेश प्रमुख झा स्वयं पीड़ित कहल जाए वाली महिलाक विरुद्ध सेहो जाहेरी दायर कएलनि। ओ अपने पर षड्यंत्रपूर्वक फसाओल गेल दावा करैत पीड़ित महिलाक विरुद्ध बदनियतसँ झूठ उजुरी देबाक आरोप लगौने छथि।

ई घटनासँ राजनीतिक क्षेत्र सँ ल’ क’ कानूनी जगत धरि व्यापक चासो उत्पन्न भेल अछि। आब अदालतमे दुनू पक्षक दावा–प्रतिदावाक आधार पर बहस चलत।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...