आज्ञा खबर
काठमांडू
नक्कली सोन आ विदेशी मुद्रा देखाक’ लोकनिके झाँसा द’ लूट-पाट करऽ वाला एकटा गिरोह काठमांडू मे पकड़ायल छै।
काठमांडू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालय, टेकु द्वारा विशेष निगरानी क’ बाद तीन गोटेके गिरफ्तारी कएल गेल छै। गिरफ्तार होए वाला मे छैथ—सिन्धुली जिला, दुधौली नगरपालिका–१० क’ बिमल तामाङ (उम्र ४७ वर्ष), दुधौली–१२ क’ लालबहादुर घिसिङ (उम्र ३९ वर्ष) आ खोटाङ, मझुवागढी–१४ क’ भक्तबहादुर गदाल विक (उम्र ३९ वर्ष)। तामाङ हाल ललितपुरक महालक्ष्मी–६ मे, घिसिङ बूढ़ानीलकण्ठ, बालुवाखानी मे आ गदाल भक्तपुरक लोकन्थली मे बसोबास कऽ रहल छलाह।
प्रहरीक अनुसार, तामाङ आ घिसिङ लोकनिके सस्ता दाम मे सोन आ विदेशी मुद्रा भेटत कहि क’ झाँसा दैत छलाह आ नक्कली सोन सटही करबाक नाटक करैत पीड़ित लोकनिके असली गहना आ नगद ल’ क’ फरार भ’ जाइत छलाह।
प्रवक्ता एसपी अंगुर जिसी अनुसार, प्रारम्भिक अनुसन्धान मे खुलल छै जे ओ लोकनि कम सँ कम ६ गोटेके ठगी कएने छैथ। “ओ लोकनि सोन देखेबाक बहाना बना क’ लोकनिके गहना आ नगद लुटैत छलाह,” जिसी कहलनि। “ओहि संगहि साउदी रियाल सहित विदेशी मुद्रा सस्ता मे देब कहि क’ नेपाली रुपैयाँ सेहो ठगी करैत छलाह।”
प्रहरी गिरोह लग सँ सोन सन देखए वाला पहेँल धातु १७ ग्राम ६ सय मिलिग्राम, चार टा नक्कली सोनक ढिक्का आ ना ५७ प १५१६ नम्बरक स्कूटर बरामद केलक अछि।
भक्तबहादुर गदालके ठगी सँ प्राप्त सोन खरिद करबाक आरोप मे गिरफ्तार कएल गेल छै। तीनू गोटे पर जिला प्रहरी परिसर, काठमांडू द्वारा आवश्यक अनुसन्धान अगिला चरण मे बढ़ाओल जा रहल छै।





































