पूर्वप्रदेश प्रमुख राजेश अहिराज पर बलात्कारक आरोपमे मुद्दा दायर

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काठमांडू,

मधेश प्रदेशक पूर्वप्रदेश प्रमुख राजेश अहिराज (राजेश झा) पर बलात्कारक आरोपमे काठमांडू जिल्ला अदालतमे औपचारिक रूप सं मुद्दा दायर कएल गेल अछि।

पुलिस अहिराज केँ साउन ४ गते काठमांडू सं गिरफ्तार केने छल। घटनासं संबंधित प्रारम्भिक अनुसंधानक उपरांत जिल्ला सरकारी वकीलक कार्यालय, काठमांडू द्वारा मंगलदिन अदालतमे अभियोग पत्र पेस कएल गेल।

अभियोगक अनुसार, अहिराज २०८१ सालक जेठ ४ गते नयाँ बानेश्वर स्थित एकटा कोठामे २६ वर्षीया महिलाक संग जबरदस्ती बलात्कार कएलक। पीड़िताक अनुसार, ओ दुनू पहिने सं एक-दोसर केँ चिनैत छलाह आ घटना ओहि समय भेल, जतबे पीड़िता अपन डेरामे अकेले रहैत छलीह।

अहिराज पर मुलुकी फौजदारी अपराध संहिता २०७४ केर दफा २१९(१)(ङ) अनुसार ७ सं १० वर्ष धरि केर जेल सजा माग कएल गेल अछि। संगहि, ओहि संहिता केर दफा २१९(३)(क) केर खण्ड (ग) अनुसार तीन लाख रुपैयाँक जरिमाना सेहो अभियोग पत्रमे उल्लेखित अछि।

ई मुद्दा काठमांडू जिल्ला अदालतमे दर्ता भ’ चुकल अछि आ एखन सुनवाईक तयारी भ’ रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...