आज्ञा खबर
बर्दिवास
रोटरी क्लब अफ बर्दिवासक अध्यक्ष पद पर ईन्द्र प्रसाद ढुंगेल (सिताराम)के चयन कएल गेल अछि। आइतवार दिन बर्दिवासमे भेल पद हस्तान्तरण आ शपथ ग्रहण समारोहमे वर्ष २०२४/२५क अध्यक्ष विष्णुराज पुरी नव कार्यकाल २०२५/२६ लेल ढुंगेलकेँ पद हस्तान्तरण कएलनि।
ओहि अवसर पर क्लबक नव निर्वाचित पदाधिकारी सभ आ कार्यसमिति सदस्यसभ सेहो पद आ गोपनीयताको शपथ लेलनि। ओही समारोहमे रोटरी क्लब अन्तर्गतक युवा संगठन ‘रोट्र्याक्ट क्लब अफ बर्दिवास’क अध्यक्षमे सरोज गजमेर चुनल गेलाह। निवर्तमान अध्यक्ष नारायण अधिकारी गजमेरकेँ पद हस्तान्तरण कएलनि।
समारोहक प्रमुख अतिथि रहल मधेश प्रदेश, महोत्तरी–१ (क) क्षेत्रक माननीय सांसद शारदा देवी थापा कहलनि जे रोटरी क्लब जेकाँ विश्वव्यापी मानवसेवी संस्था समाज परिवर्तनक प्रेरणास्रोत होइत अछि। हुनका अनुसार, “रोटरीक मूल दर्शन सेवा छी। ई व्यक्तिगत स्वार्थ सँ ऊपर उठिकय समाज लेल काज करैत अछि।” सांसद थापा आगामी दिनमे रोटरी क्लबक कार्यक्रमसभमे सदिखन सहकार्य रहबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि।
ओही अवसर पर बर्दिवास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लादकुमार क्षेत्री कहलनि जे नगर विकासमे रोटरी क्लबक योगदान सराहनीय रहल अछि। ओ कहलनि जे नगरपालिकाक नीति अनुरूप, जतेक संस्था वा समूह नगरपालिका संग समन्वयमे काज करैत अछि, हुनका प्राथमिकता देल जाइत अछि। ओ नव निर्वाचित पदाधिकारीसभकेँ शुभकामना दैत कहलनि, “नगरक आधारभूत आवश्यकतासभ पूर्ति करबाक दिशामे रोटरी क्लबक भूमिका आर मजबूती सँग देखा जाए, एहेन अपेक्षा अछि।”
पदभार ग्रहण करैत नव अध्यक्ष ईन्द्र प्रसाद ढुंगेल (सिताराम) कहलनि जे रोटरी क्लब अफ बर्दिवास शिक्षा, स्वास्थ्य, सरसफाई आ वातावरण संरक्षण जेकाँ क्षेत्रसभकेँ प्राथमिकता दैत समाजमुखी आ रचनात्मक गतिविधि सञ्चालन करत। ओ कहलनि जे अपन विगतक अनुभवक आधार पर क्लबकेँ आर सशक्त रूपमे आगाँ बढ़ाओल जाएत।
ओही समारोहमे निवर्तमान अध्यक्ष विष्णुराज पुरी अपन कार्यकालक प्रगति विवरण प्रस्तुत करैत क्लबद्वारा संचालन कएल गेल विभिन्न कार्यक्रमसभक जानकारी देलनि। ततबे नहि, क्लबमे योगदान देनिहार सदस्यसभ आ अतिथिसभकेँ सम्मान आ मायाक चिन्ह सेहो प्रदान कएल गेल।
रोटरी क्लब अफ बर्दिवास विगत सँ सामाजिक सेवा क्षेत्रकेँ केन्द्र बनाकय स्थानीय स्तर पर शैक्षिक विकास, विद्यालयक स्तरोन्नति, स्वास्थ्य शिविर, छात्रवृत्ति, सरसफाई अभियान, वृक्षारोपण आ अन्य कार्यक्रमसभ सफलतापूर्वक संचालन करैत आबि रहल अछि।





































