उत्तराखण्डक हरिद्वार मे भगदड़ सँ ६ गोटेके मृत्यु, दर्जनों घायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
हरिद्वार, भारत

भारतक उत्तराखण्ड राज्य मे रहल प्रसिद्ध हिन्दू तीर्थस्थल हरिद्वार मे आइतवार सबेरे एकटा दर्दनाक घटना घटल। गंगा नदीक किनार पर स्थित प्रसिद्ध मनसा देवी मंदिर जाइत काल भीड़ अचानक बेसी भ’ गेल आ मंदिरक सिड़ी पर भगदड़ मचि गेल, जाहिमे कम सँ कम ६ श्रद्धालुक मृत्यु भ’ गेल आ १० सँ बेसी लोक घायल भेल अछि।

हरिद्वार शहरक वरिष्ठ पुलिस अधिकारी परमिंदर डोभलक अनुसार मृतकमे बहुतो महिला छथि। “घायल सभके नजदीकी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि आ केओ-केओक अवस्था गंभीर अछि,” ओ कहलनि।

एहि घटनाक बाद उत्तराखण्डक मुख्यमन्त्री पुष्कर सिंह धामी सामाजिक संजाल पर समवेदना व्यक्त केलनि आ राहत तथा बचाव कार्य तेज गति सँ चलि रहल अछि, से जानकारी देलनि। “हम लगातार स्थानीय प्रशासनक सम्पर्क मे छी आ स्थितिक निगरानी क’ रहल छी,” मुख्यमन्त्री लिखलनि।

धार्मिक स्थल सभमे भीड़ – व्यवस्थापन एकटा चुनौती

भारत मे धार्मिक मेला आ पर्वक अवसर पर भारी संख्या मे श्रद्धालु सभक जुटान होइत रहैत अछि, जेकर कारण एहन दुःखद घटनासभ बारम्बार होइत रहैत अछि।

किछु हप्ता पहिने उड़ीसा राज्य मे एकटा हिन्दू पर्वक अवसर पर अचानक भीड़ बढ़ला सँ भगदड़ मचि गेल छल, जाहिमे तीन गोटेक मृत्यु भेल छल। तहिना गोवा मे अग्नि ल’ क’ होयवाला पारंपरिक पदयात्राक क्रममे तीन लोकक मृत्यु भेल छल।

एहि वर्षक जनवरी महिनामे उत्तर प्रदेशक प्रयागराज मे भेल कुम्भ मेला मे भगदड़ आ झड़पक कारण कम सँ कम ३० लोक अपन जान गुमेलनि, जे वर्षक सबसँ भयावह घटना मानल गेल।

सुरक्षा व्यवस्थामे सुधारक आवश्यकता

विशेषज्ञ सभक कहब अछि जे धार्मिक स्थल सभ, विशेष क’ पहाड़ी क्षेत्रमे स्थित मंदिर सभ—जइमे मनसा देवी मंदिर सेहो शामिल अछि—मे सीढ़ी, डोरी आ खुला रास्ताक अभाव रहैत अछि, आ एक्केबेर बहुत बेसी संख्या मे भक्तजनक प्रवेश सँ दुर्घटनाक खतरा बढ़ि जाइत अछि।

स्थानीय प्रशासन घटनाक जाँच प्रारम्भ क’ चुकल अछि, आ पीड़ित परिवार सभके राहत देबाक प्रक्रिया सेहो शुरू भ’ चुकल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...