मधेश सरकार नागरिकक सुरक्षा लेल गंभीर: बीमा, क्षतिपूर्ति आ वृद्धाश्रम निर्माण मे पहल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
वीरगंज

मधेश प्रदेश सरकार आम नागरिकक जीवन सुरक्षाक ध्यान मे राखैत, बीमा, क्षतिपूर्ति आ वृद्ध नागरिक लेल संरचनात्मक सुविधा पर विशेष पहल कएने अछि। खेलकूद आ समाज कल्याण मन्त्री प्रमोद जयसवाल जनौलनि जे बीमा कार्यक्रमक माध्यम सँ दुर्घटना आ दैवी प्रकोप मे जान गुमबयवाला नागरिकक परिवार केँ राहत स्वरूप १० लाख रुपैया देबाक नीति लागू कएल जा रहल अछि।

शनिदिन वीरगंज मे आयोजित जेष्ठ नागरिक महासंघ, मधेश प्रदेशक प्रथम अधिवेशनक उद्घाटन समारोह मे मन्तव्य दैत मंत्री जयसवाल कहलनि जे मधेशक बासिन्दाक नेपाल वा भारतक जे कुनो ठाम मे दुर्घटनाक कारण मृत्यु भेलाक स्थितियो मे बीमाक लाभ भेटत। “ई व्यवस्था प्रदेश सरकारक सक्रिय प्रयास सँ सुनिश्चित कएल गेल अछि,” ओ कहलनि।

ओ कहलनि जे दैवी प्रकोपक कारण घर पर क्षति भेल नागरिक केँ मूल्यांकनक आधार पर ५० हजार सँ ल’ कऽ ५ लाख २० हजार रुपैयासँ क्षतिपूर्ति देबाक व्यवस्था बीमा कम्पनी सँ समन्वय क’ कऽ कएल गेल अछि।

वृद्धाश्रम लेल बजट, अनुभव केँ किताब मे संग्रह करबाक योजना

मन्त्री जयसवाल जनौलनि जे समाज कल्याण मन्त्रालयक माध्यम सँ जेष्ठ नागरिकक समर्पित कार्यक्रम सब केँ प्रभावकारी ढंग सँ आगू बढ़ाओल जा रहल अछि। चालू आर्थिक वर्षक बजट मे वृद्धाश्रम भवन निर्माण लेल २५ लाख रुपैया विनियोजित कएल गेल अछि। “जेष्ठ नागरिक केवल राष्ट्रक गहना नहि छथि, ओ अनुभवक खजाना छथि। आवश्यकता अनुसार बजट आरो बढ़ाओल जायत,” ओ कहलनि।

ओ आरो जनौलनि जे समाज कल्याण मन्त्रालय, जेष्ठ नागरिक महासंघक सहयोग सँ जेष्ठ नागरिकक अनुभव केँ संग्रह क’ एकटा पुस्तक प्रकाशन करबाक योजना मे अछि।

अधिवेशन मे नेतृत्वकारी सहभागिता, सुझाव आ शुभकामना

जेष्ठ नागरिक महासंघ मधेश प्रदेशक संयोजक जगदीश शर्माक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रम मे विभिन्न संघ–संस्थाक प्रतिनिधिक सक्रिय सहभागिता रहल। नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रीय लेखा समिति संयोजक केसी लामिछाने, महासंघ मधेश प्रदेशक अध्यक्ष श्याम बन्जारा, रेडक्रस पर्साक अध्यक्ष बृकिशोर पटेल, आ समाजसेवी नेजामुद्दीन समानी सहित विभिन्न वक्ता सभ जेष्ठ नागरिकक अनुभव केँ राष्ट्र निर्माण मे उपयोग करबाक लेल तीनो तहक सरकार सँ आग्रह केलनि।

कार्यक्रम मे नेपाल पत्रकार महासंघ पर्सा, नेपाल प्रेस युनियन पर्सा, स्थानीय संचारकर्मी आ समाजसेवी लोकनिक उपस्थिति उल्लेखनीय रहल। सहभागी सभ अधिवेशनक सफलता आ सरकार द्वारा जेष्ठ नागरिकक प्रति देखाओल गेल चासो केँ सराहना करैत निरंतर सहकार्यक प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...