बर्दिवासक एक डाक्टर जबर्जस्ती करणी आ गैरकानुनी गर्भपतनक आरोप मे गिरफतार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी।

सर्लाही जिलाक बलरा गाम घर भ’ बर्दिवासमे डी एन बी मेडिकेयर सेन्टरमे कार्यरत डाक्टर प्रवीण मिश्राकेँ जबर्जस्ती करणी आ गैरकानुनी ढंग सँ गर्भपतन करेबाक आरोपमे पुलिस गिरफतार केने छै।

महोत्तरी जिलाक प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) शैलेन्द्रकुमार भट्ट जानकारी दैत कहलनि जे ४१ वर्षीय डा. मिश्राकेँ बिहीबार पुलिस गिरफतार केलक। हुनका विरुद्ध साउन ५ गते जिल्ला अदालत, महोत्तरी सँ पक्राउ पूर्जी जारी भेल छल।

पुलिसक अनुसार डा. मिश्राले १६ वर्षक एकटा किशोरीक १० हप्ताक गर्भपतन करेलखिन। गर्भपतनक दौरान अत्यधिक रक्तस्राव भेलाक कारण ओ किशोरी अचेत भ’ गेल छली। तकर बाद किशोरीक परिवार इलाका प्रहरी कार्यालय, बर्दिवासमे जा क’ जबर्जस्ती करणीक लिखित उजुरी देलक।

किशोरीक अभिभावकक किटानी जाहेरीक आधार पर पुलिस डा. मिश्राकेँ नियन्त्रणमे लेलनि। प्रारम्भिक अनुसंधानमे ई बात सामने एलनि जे डाक्टर मिश्राक द्वारा किशोरीसँ जबर्जस्ती सम्बन्ध बनाओल गेल आ तकर बाद बिना कानूनी प्रक्रिया गर्भपतन कराओल गेल।

पुलिस कहलनि जे डा. मिश्राकेँ अदालतसँ म्याद बढा क’ अनुसंधानकेँ अगाडि बढाओल जा रहल छै।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...