आज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास नगरमे अवस्थित एकमात्र सरकारी नगर अस्पताल — बर्दिवास अस्पताल — में एनेस्थेसिया मशीन चालू भेलाक बाद शल्यक्रिया (ऑपरेशन) सेवामे नव अध्याय शुरू भऽ गेल अछि।
नगरपालिकाक प्रयाससँ अस्पतालमे अत्याधुनिक एनेस्थेसिया मशीन स्थापना कयल गेल छल जेकर परीक्षण पूरा भऽ एक सप्ताहसँ नियमित रूपसँ चलाओल जा रहल अछि। एहि सुविधा संग आब अस्पताल सामान्य आ आपातकालीन दुनू प्रकारक ऑपरेशन सेवा देबाक सक्षम बनल अछि।
एही संबंधमे बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि— “हमर उद्देश्य रहल अछि जे नगरवासीकें सहज आ गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध कराबी। एनेस्थेसिया मशीनसँ आब सुत्केरी, आपतकालीन शल्यक्रिया सहित अन्य ऑपरेशनसभ सहजतासँ होएत।”
एहिसँ पूर्व अस्पतालमे एनेस्थेसियाक सुविधा नहिए रहबाक कारण कमर सँ नीचाँ कऽ हिस्साक ऑपरेशन मात्र संभव होइत छल, जइसँ गंभीर मरीजसभ केँ जनकपुर या काठमांडू रेफर करबाक पड़ैत छल। मुदा आब नव प्रविधि अएलासँ स्थानीय लोककें आर्थिक आ मानसिक बोझ घटत से मानल जा रहल अछि।
अस्पतालक मेडिसिन विशेषज्ञ डा. रितेश घिमिरे कहलनि— “एखन हम सभ सामान्य ऑपरेशन त करिये सकैत छी, संगहि आपातकालीन अवस्था मे सेहो तत्काल सेवा देबाक तैयार छी। ई अस्पताल लेल बहुत पैघ उपलब्धि अछि।”
बर्दिवास–५ निवासी राम भण्डारी कहलनि— “आब ऑपरेशन लेल दूर-दराज नहि जेबाक परत। एतेक पैघ नगरमे एहन सुविधा होयब गर्वक विषय थिक।”
बर्दिवास नगरपालिकाक तरफसँ अस्पतालक पूर्वाधार, उपकरण आ जनशक्ति विस्तारमे लगातार प्राथमिकता देल जा रहल अछि। एनेस्थेसिया मशीन संचालनसँ शल्यक्रिया सेवा शुरू भेलाक बाद नगरवासीकें आब अपन घर दुआर परहे उच्चस्तरीय स्वास्थ्य सेवा भेटत, एहन विश्वास राखल जा रहल अछि।





































