आज्ञा खबर
बर्दिवास
“व्यवसायिक एकता, व्यवसायिक सफलता” ई मूल नाराक संग नेपाल फर्निचर तथा फर्निसिङ्ग व्यवसायी महासंघक ११म स्थापना दिवसक अवसर पर महोत्तरी जिलाक बर्दिवास मे बृहत स्वास्थ्य परीक्षण आ रक्तदान कार्यक्रम आयोजित कैल जा रहल अछि।
एहि कार्यक्रमक आयोजन नेपाल फर्निचर तथा फर्निसिङ्ग व्यवसायी संस्था महोत्तरी द्वारा कैल जायत, जे काल्हि बृहस्पतिबार बिहान ८ बजे सँ बर्दिवासक सिन्धुली रोड पर होयत।
कार्यक्रमक संबंध मे जानकारी दैत संस्था अध्यक्ष गोबिन्द बहादुर खड्का (रमेश) कहलनि, “स्थापना दिवस केँ सिर्फ उत्सवक रूप मे सीमित नहि राखिकय हम सभ एकरा सामाजिक उत्तरदायित्व सँ जोड़ि स्वास्थ्य परीक्षण आ रक्तदान कार्यक्रम लय आबि रहल छी। एहीसँ समाज केँ सीधा लाभ भेटत आ व्यवसायीसभ मे एकता बनत।”
स्वास्थ्य परीक्षण आ रक्तदान कार्यक्रम मे नेपाल रेडक्रस सोसाइटी महोत्तरी उपशाखा बर्दिवास आ शुभस्वस्तिक अस्पताल बर्दिवास प्राविधिक सहयोग देत। संगहि, नेपाल हेल्थ फाउन्डेशन बर्दिवास सहयोगी संस्था हेतै।
एहि कार्यक्रम मे बर्दिवासक फर्निचर आ फर्निसिङ्ग व्यवसायीसभ, सामाजिक अभियन्ता, स्वयंसेवक आ स्थानीय नागरिकसभक सहभागिता अपेक्षा कैल गेल अछि। आयोजकक विश्वास छैक जे रक्तदानक महत्व आ नियमित स्वास्थ्य परीक्षणक आवश्यकता जनमानस मे पहुँचाबय लेल एहन कार्यक्रम प्रभावकारी साबित हेतै।





































